जनकपुर यातायातक कर्मचारीउपर कालीख प्रहार

0

अषाढ २१ गते,यातायात व्यवस्था कार्यालय जनकपुरके एक कर्मचारीउपर कालीख प्रहार भेलअछि । बुधदिन दुपहरमे कार्यालयमे काज कऽरहल बेर ५÷६ गोटेके समुहमे गेल लक्षित समुहसभ नायव सुब्बा जीवन कुमार वस्नेतउपर कालीख पोतिक दुरव्यवहार करति भागलअछि ।
यातायात व्यवस्था कार्यालय अखन भेल स्थानसँ जनकपुरसँ बाहर लऽजाय लागल किछ दलालसभ अफवाह फैलौलाकऽबाद ओ घटना भेल जनाओलगेलअछि तँ किछ व्यक्तिसभ निजी स्वार्थके कारण सुनियोजित रुपमे कर्मचारीउपर कालीख पोतिक घटना करौने प्रति कार्यालय खेद प्रकट करति दोषीके खोजविन कऽ कडा कारबाही कऽर जिल्ला प्रशासन कार्यालय धनुषाके आग्रह कएनेअछि ।
हालके कार्यालयमे ठामक अभावके कारण आगामी श्रावण १ गतेसँ स्र्माट लाईसेन्स वितरण कऽर समस्या होबके भेलासँ जनकपुर उपमहानगरपालिके १४ मुजेलिया वडा प्रहरी कार्यालय नजदिक दीपक कुमार मिश्रके घर भाडामे लऽक घुस्काब लागल कार्यालयके निमित कार्यालय प्रमुख बालकृष्ण हुमागाई जानकारी देलनिअछि ।
कार्यालय जनकपुरेके १४ स्थित याज्ञबलक्य उच्चमावि ज्ञानकुपके प्रांगणमे २० वर्षके लेल जग्गा भाडामे लऽक ८० लाखके लागतमे ट्रायलसेन्टर निर्माण कऽरहल समेत ओे जानकारी करौलनिअछि । निमित प्रमुख हुमागाई जनकपुरमे ह्यावी लाईसेन्स प्रदान कऽर ८० लाखके लागतमे ट्रायल सेन्टर निर्माण कार्य कऽरहल आ जनताके सहज सेवाप्रदान कऽर कार्यालय फैल स्थानमे सारलागल बतौलनिअछि । विगतसँ रेडक्रसके भाडाके भवनमे कार्यालय सञ्चालन कएने मुद्दा ओ भवन जीर्ण अवस्थामे भेलाकऽबादो मर्मत सम्भार नै भेलासँ दोसर उपयुक्त भाडाके भवनमे यातायात व्यवस्था विभागके निर्देशनमे कार्यालय घुस्काब लागल हुनक कहबअछि ।

Share.

Leave A Reply