स्थानीय चुनावके सघाब भारतके गृहमन्त्री निधीके आग्रह

0

चैत्र–१५ गते,रबिदिन मात्र राष्ट्रपति विद्या भण्डारी समक्ष ओहोदाके प्रमाणपत्र पेश कएने भारतीय राजदूत मञ्जी सिंह पुरी राजनीतिक दलक नेता आ उच्च सरकारी अधिकारीसभसँगके भेटवार्ताके तीब्रता देनेछथि ।भारतीय राजदूत पुरी मंगलदिन दु गोटे उप प्रधानमन्त्रीसभसँग भेट कएनेछथि । उप प्रधानमन्त्री कमल थापाके स्थानीय विकास मन्त्रालयमे करीव एक घण्टा भेऽट कएने पुरी ओय लगत्ते दोसर उपप्रधानमन्त्री बिमलेन्द्र निधीके भेऽट गृह मन्त्रालयमे पहुँचलछलथि ।नेपालस्थित भारतीय दूतावासके अनुसार भेटमे गृहमन्त्री निधी नेपालमे होबऽ लागल स्थानीय चुनावके सघाब आग्रह कएनेछलैथ । जवाफमे राजदूत गृहमन्त्री निधीके आग्रहके गम्भीरतापूर्वक लेने बतौलनिअछि ।गृहमन्त्री आ राजदूतबीचके भेटवार्तामे द्विपक्षीय सुरक्षा,सहयोग आ राजनीतिक अवस्थाके सम्बन्धमे छलफल भेल दूतावास जनौलकअछि ।ओयसँ आगा उपप्रधानमन्त्री थापासाथेके भेटमे स्थानीय तहके दिगो विकास आ द्विपक्षीय चाँईखके विषयमे छलफल भेल दूतावास जनौलकअछि । भेटमे नेपालक राजनीतिक परिस्थिति आ आसन्न स्थानीय निर्वाचनके तयारीके सम्बन्धमे समेत छलफल भेलछल ।

 

Share.

Leave A Reply