मुसहर बस्तीके घरमे रंगरोगनके काज सुरु

0

चैत्त–६ गते,धुर्मुस सुन्तली फाउण्डेशन निर्माण कऽरहल महोत्तरीके बर्दिबासमे रहल एकीकृत नमुना मुसहर बस्तीके घरसभमे रंग लगएवाक काज सुरु भेलअछि । शिल्यान्यास कएने करिब अढाई  महिना नै होईत मुसहर बस्ती निर्माणक काज लगभग अन्तिम चरणमे आबिगेल फाउन्डेशन बतौनेअछि । माघ २५ गते हाँस्यकलाकार मदनकृष्ण श्रेष्ठ आ हरिबंश आचार्यद्धारा शिल्यान्यास कएने मुसहर बस्तीके लगभग सब घरमे छत छारके काज सकलअछि । किछ घरसभमे छत लगाबके बाँकी भेलाकबादो अखन अधिंकाश घरसभमे रंङ्गरोगनके काज सुरु कएने परियोजना ब्यवस्थापक अर्जुन न्यौपाने जानकारी देलनिअछि ।बस्ती निर्माणक लेल निर्माण स्थलेमे रहल धुर्मुस सुन्तली फाउण्डेशनके अध्यक्ष सीताराम कट्टेल(धुर्मुस) बतौने अनुसार बस्ती निर्माणके काज जल्दीसँ भऽरहलअछि । अढाई महिना नै होईत लगभग बस्तीके अधिंकाश काज सकल जानकारी करबति ओ नयाँ बर्षमे बस्ती हस्तान्तरण कईएक छोड्के बतौनेछथि । चारि करोड ७८ लाख रुपैयाँमे निर्माण होबलागल अय बस्तीके लेल बिभिन्न संघ संस्था तथा सहयोगी मनसभ सहयोग कऽरहलअछि । फाउण्डेशनके लेखा अधिकृत सरोज जंग खत्रीके अनुसार बस्ती निर्माणक लेल अखनो १ करोड रुपैयाँके हाराहारीमे सहयोग उठ् बाँकी रहलअछि । फाउण्डेशन अखनधरि करिब तीन करोड रुपैयाँ बराबरके रकम बस्ती निर्माणक लेल खर्च कऽचुकलअछि ।

 

Share.

Leave A Reply