बैशाख ९गते,संविधान संशोधन विधेयक परिर्माजन करति माग सम्बोधन कर्वाक सत्तारुढ दलसभक प्रतिवद्धताबाद मधेसी मोर्चा चुनावमे जायके तयार भेलअछि । कोनो अनिष्ट नै भेल तँ आय शनिदिन सहमति पत्रमे हस्ताक्षर ह्यात ।मधेसी मोर्चामे आवद्ध ६ दलसभ पार्टी एकता कएलाके पराते भिने नयाँ समझदारी जुटलअछि । दु चरणमे भेल वार्तामे सत्तारुढ दलसभ संविधान संशोधन विधेयकमे मोर्चाके असन्तुष्टि सम्बोधन कर्वाक बचन देनेअछि ।पहिल बैसारमे मोर्चाक नेतासभ संशोधन विधेयकमे अपनसभक असमझदारी रहल कहति परिर्माजनके माग कएनेछल । मधेसी मोर्चा एवं जनता पार्टीके नेता लक्षण लाल कर्णके अनुसार मोर्चासभ धारा ७, २७४ आ आयोग गठनमे परिर्माजनके माग कएनेछल ।दुपहर सत्तारुढ दलसभ बैसार बैसक मोर्चाके असन्तुष्टि सम्बोधन करके सहमति जुटौनेअछि ।मोर्चाक नेता केशव झाके अनुसार धारा ७ के धारामे पहिल संशोधनके निरन्तरता देलजायत । केन्द्रमे बहुभाषित नीति होबपर्वाक अडानमे मधेसी मोर्चा नरम भेलअछि ।धारा २७४ के संशोधनमे सीमांकन हेरफेरके लेल सम्वन्धित सब प्रदेश कहके सब हटाबके सहमति भेलअछि । साथे सीमांकन हेरफेरके लेल गठन कएलजायबला संघीय आयोगके समानुपातिक समावेशी बनाब सत्तारुढ दल सहमत भेलअछि ।साथे स्थानीय तहके संख्या बढाबके आ मन्त्रिपरिषद्सँ बाँकी माग पुरा कऽर सत्तारुढ दल सहमत भेलअछि ।नेतासभक अनुसार सत्तारुढ दलसभ स्थानीय तहके चुनाव अगाडिए फास्ट ट्राकसँ परिर्माजन सहित संविधान संशोधन विधेयक पास कर्वाक बचन देनेअछि ।संविधान संशोधन विधेयक परिर्माजन कऽर चारि सदस्यीय कार्यदल गठन कएनेअछि । कार्यदलमे सत्तारुढ दलसभसँ कृष्ण प्रसाद सिटौला आ बृद्धिमान तामाङ अछि तँ मधेसी मोर्चाके दिससँ राजेन्द्र श्रेष्ठ, लक्ष्मण लाल कर्ण रहलछथि ।कार्यदलसभ आय शनिदिन भिन्सर गृहकार्य करके आ दुपहर २ बजे फेरसँ शीर्ष नेतासभक बैसार बैसके जनाओलगेलअछि ।