भारतसाथेके इन्धन सम्झौता नवीकरण

0

चैत्र–१५गते,नेपाल आ भारतबिच इन्धन आपूर्ति कर्वाक सम्बन्धी सम्झौता पाँच वर्षके लेल नवीकरण भेलअछि । आपूर्ति मन्त्री दीपक बोहरा आ भारतीय पेट्रोलियम तथा प्राकृतिक ग्यास मन्त्री धर्मेन्द्र प्रधानके उपस्थितिमे सोमदिन नयाँदिल्लीमे नवीकरण सम्झौता भेलअछि ।आपूर्ति मन्त्रालयके सहसचिव सूर्य प्रसाद श्रेष्ठके अनुसार नवीकरण सम्झौतानुसार आब नेपालके माग बमोजिमके इन्धन भारतीय आयल कर्पाेरेसन (आइ ओ सी) उपलब्ध कराओत ।नेपालके उपलब्ध कराओलऽजायबला इन्धन अखनके तुलनामे नेपाल–भारतसीमा सुनौली आ वीरगन्ज क्षेत्रसँ नजदिक सुविधा सम्पन्न आ बडका डिपो रख्वाक आ ओयसँ नेपालके वार्षिक रुपमे एक अर्ब रुपैयाँ सँ बेसी रकम बचत होएवाक ओ जानकारी करौलनिअछि ।भारतसँ नेपालके इन्धन उपलब्ध बराब बापत प्राप्त करबला नाफाके सीमा शून्य दशमलव पाँच प्रतिशत घटाब मन्जुर कएनेअछि । ओयसँ नेपालमे लाओलऽजायबला इन्धन आपूर्तिके लागत अखनके तुलनामे कम ह्यात । नेपाल आ भारतबिच इन्धन आयात कर्वाक सम्बन्धमे सहमतिमे जायके लेल समस्या भेलापर तेसर पक्षके मध्यस्थताके स्वीकार कर्वाक विषय सेहो सम्झौतामे परल उल्लेख अछि ।नेपाल भारतसाथे वार्षिक रुपमे एक खर्ब रुपैयाँसँ बेसी मूल्यके इन्धन आयात करति आएलअछि । नेपाल आ भारतबीच रक्सौलसँ अमलेखगन्जधरि पेट्रोलियम पदार्थ पाइपमार्फत उपलब्ध करैवाक सहमति भेलअनुसार काज आगा बढिरहलअछि । इन्धन सम्बन्धी सहमतिक लेल नेपाल आयल निगमके टोली रबिदिन नयाँ दिल्ली पहुँचलअछि ।

Share.

Leave A Reply