बर्दिवासमे धुर्मुस सुन्तली फाउन्डेसनद्वारा निर्माणाधीन एकीकृत नमुना मुसहर बस्ती निर्माणक लेल एक करोडसँ बेसी रकमके अभाव देखलगे

0

 

चैत–९गते,बर्दिवासमे धुर्मुस सुन्तली फाउन्डेसनद्वारा निर्माणाधीन एकीकृत नमुना मुसहर बस्ती निर्माणक लेल एक करोडसँ बेसी रकमके अभाव देखलगेलअछि ।साबिक बर्दिबास नगरपालिका– २ ( हाल बर्दिवास– १) मे निर्माणाधीन ओय बस्तीके ७२ दिनके अवधिमे ८० प्रतिशत निर्माण सम्पन्न भेल आ आब पूर्ण रुपमे तयार होबऽ एक करोड ३० लाख अभाव भेल फाउन्डेसनक अध्यक्ष सीताराम कट्टेल जानकारी करौलनिअछि । सहयोगी हातसँ निरन्तर प्राप्त भऽरहल रकम जुट्वामे अपने विश्वस्त रहल कट्टेल बतौलनि ।कुल चार करोड ७८ लाखके लागतमे निर्माण होबलागल उक्त बस्ती आगामी नयाँ वर्षके दिन मुसहरसभके हस्तान्तरण कर्वाक योजनाके साथ काज भऽरहल कलाकार कुञ्जना घिमिरे जानकारी देलीअछि ।  ओय बस्तीके घरमे छाना, रङ्गरोगन, शौचालय, खिड्की तथा ढोका, खानेपानी, विद्युत् आ धारा जडान, घरके अन्तिम प्लास्टर, दृश्य स्तम्भ, बस्तीभितरके सडकके पिसिसी ढलान जेहन काज तीव्र गतिमे भऽरहल फाउन्डेसनके परियोजना व्यवस्थापक अर्जुन न्यौपाने बतौलनिअछि ।एक सय दिनमे बस्ती निर्माणके काज सम्पन्न कऽ मुसहर समुदायके हस्तान्तरण कर्वाक योजनानुसार बस्तीके २० प्रतिशत काज बाँकी अछि तँ फाउन्डेसनलँग आब २४ दिन मात्र बाँकी रहलअछि । गत पुस २५ गते मह जोडीद्वारा शिलान्यास भऽ कऽ तीव्र गतिमे निर्माणाधीन बस्ती निर्माणमे पछिल्का दु महिनासँ दिनहुँ तीन सय गोटे पसिना बहाबिरहलअछि ।

 

Share.

Leave A Reply