जनकपुर उपमहानगरपालिका १७ लोहनाके नगराइन नगरपालिकामे रखने कहैत लोहनाबासीसभ आन्दोलित भेल अछि । ओन्दोलित लोहनाबासीन्दासभ आई शनि दिन जनकपुर लोहनाके मुख्य सडक एक घण्टा बन्द करैत विरोध जनौने अछि । भिन्सर ९ बजे स १० बजे तक सयौके संख्यामे सहभागि स्थानियबासिन्दा चक्काजाम करैत विभिन्न नाराबाजी करैत अपनासभक माग पुरा करके माग कैने छलैथ । लोहना संघर्ष समितिके अध्यक्ष विनोद ठाकुरके अनुसार अपनेसभ क्रमशः एक घण्टा तक बढवैइत चक्काजामके कार्यक्रम आगा बढाएव । तहिना चक्काजाम कार्यक्रमके संयोजक मोहम्मद काइसके अनुसार अपनासभके जनकपुर जाएके लेल डेढ किलोमिटर मातरे परैत अछि मुदा नगराइन जाएके लेल १७ किलोमिटर परला सँ अपनेसभ कोनो भी हालतमे नगराइनमे नहि रहके बतौने छलैथ ।
नगराइनमे नहि रहके कहैत चक्काजाम
0
Share.