जिल्ला समन्वय समिति धनुषामे तोडफोड, किछ कार्यालयमे तालाबन्दी

0

चैत–१० गते,संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेसी मोर्चाक कार्यकर्तासभ जिल्ला समन्वय समिति धनुषामे लटकौने  बोर्ड तोडफोड कएनेअछि । संविधान संशोधन आ सिमांकनके निर्णय नै लगाक स्थानीय तहके पुनरर्संरच्ना आ निर्वाचनके मिति घोषणा कएने विरोधमे  बुधदिन ओ सभ नाराबाजी करर्ति बोर्ड तोडफोड कएनेअछि ।अहिना गत मंगलदिन कार्यालय सञ्चालन कएने कहति मोर्चाक नेता कार्यकर्तासभ धनुषाके हंशपुर गाउँपालिका, नगराइन नगरपालिकाके फूलगामा वडा कार्यालय आ औरही गाउँपालिकाके परवाहा वडा कार्यालयके बोर्ड तोडफोड करति तालाबन्दी कएनेछल । धनुषाके क्षिरेश्वरनाथ नगरपालिकामे आबद्ध रहल हरिहरपुर वडा नं ८ आ ९ के हालमे मिथिला नगरपालिकामे मिलौने कहति कारी कपडामे विरोध लिखकऽ तालाबन्दी कएनेअछि ।

 

Share.

Leave A Reply