चैत–९गते,जथाभावी चुरे दोहन आ लम्बा खडेरीसँ महोत्तरीके चुरे क्षेत्रमे पानीके मूल सुखलग्लाकबाद जिल्लाके उत्तरवर्तीमे आधा दर्जन सँ बेसी ग्रामिण क्षेत्रमे खानेपानीके समस्या शुरु भेलअछि । जथाभावी बन फडानी आ अनियन्त्रित चुरे दोहनके कारण पर्यावरणमे पऽर गेल प्रत्यक्ष प्रभावके कारण पानीके सतह घटिक गर्मी बढलगते पानीके मूलसभ धमाधम सुख लग्लाकबाद महोत्तरीके आधा दर्जन ग्रामिण क्षेत्रके वस्तीमे खानेपानिके हाहाकार भेलअछि ।जिल्लाके वर्दिवास नगरपालिका अन्र्तगतके हातिलेट , खयरमारा , किसाननगर , माईस्थान , विजलपुरा , पशुपतिनगर , भंगहा गाउँपालिकाके वडा नं. ४ स्थित वस्ती , गौशाला नगरपालिका अन्तर्गतके बेलगाछी , रामनगर , कुशमाडी लगायतक किछ वडा लगायत ग्रामीण वस्तीसभमे अखन पानीके मूलसभ सुखलग्लाकबाद पानिके हाहाकार होबऽलागल स्थानियसभ बतौलकअछि । जिल्लामे खानेपानीके लेल इनार आ चापाकलके स्रोतमे निर्भर रहैत आएल बर्दिवास नगरपालिकाके पशुपतिनगर, किसाननगर, बेलगाछी, बिजलपुरा, भरतपुर, रामनगर, लक्ष्मीनिंयाँ आ भङ्गाहासहितक गाविस वस्तीमे स्रोत सुखति गेलाकबाद खानेपानीके हाहाकार परल ओतुका बासिन्दाके कहबअछि ।
जथाभावी चुरे दोहन आ लम्बा खडेरीसँ महोत्तरीके चुरे क्षेत्रमे पानीके मूल सुखलागल
0
Share.