बैशाख १८ गते,आर्थिक बृद्धिके प्राथमिकतामे राखि नेकपा एमाले स्थानीय तहके चुनावक लेल घोषणा सार्वजनिक कएलकअछि । पार्टी कार्यालय धुम्बाराहीमे कार्यक्रम कऽक एमालेके अध्यक्ष केपी शर्मा ओली घोषणापत्र सार्वजनिक कएलनिअछि ।एमालेके घोषणापत्रमे १० वर्षमे प्रतिव्यक्ति आय ५ हजार डलर पहुँचैवाक आ मध्यम आय भेल देश बनैवाक विषयके महत्व देनेअछि । ३ वर्षमे एक घर एक रोजगारी आ १० वर्षमे सबके रोजगारी देबऽ एमालेके घोषणापत्रमे उल्लेख अछि । एमाले सामाजिक सुरक्षा भत्ता बढाक ५ हजार पहुँचाब आ सब नागरिकके घातक रोगके दबाई उपचार निःशुल्क कर्वाक घोषणा कएनेअछि ।अनिवार्य स्वास्थ्य बिमा, गाउँपालिकामे २५ आ नगरपालिकामे ५० शैयाके अस्पताल बनैवाक दावी कएनेअछि । अहिना एमाले १० वर्षमे १५ हजार मेगावाट विद्युत उत्पादन करके साथे सडक आ रेल यातायातक क्षेत्रमे सेहो महत्वकांक्षी योजना आगा घुस्कौनेअछि । पूर्वपश्चिम राजमार्गके ६ लेनके बनाबके, पाँच वर्षमे मध्यपहाडी पुष्पलाल राजमार्गके चारि लेनके बनाबके आ तराईके सब जिल्लामे पूर्वपश्चिम राजमार्गसँ नेपालभारत सीमाधरि चारि लेनके राजमार्ग बनाब एमालेके घोषणा पत्रमे उल्लेख अछि ।अहिना पूर्वपश्चिम राजमार्ग आ मध्यपहाडी राजमार्गके समानान्तर अत्याधुनिक रेल सञ्चालन करके, रसुवागढी–काठमाडौं–पोखरा–लुम्बिनी रेलमार्ग बनाबके आ काठमाडौं–वीरगञ्ज रेलमार्ग निर्माण कर्वाक सेहो एमाले घोषणा कएने अछि ।