उच्चस्तरीय छानबीन आयोग जनकपुरमे,सहिद परिवार तथा घाहिल सभसंग विमर्श

0

चैत–१० गते,तराई, मधेस, थरुहट आन्दोलनके क्रममे भेल घटनासभ सम्बन्धमे सत्य तथ्य पत्ता लगाब पुष्पकमल दाहल नेतृत्वक वर्तमान सरकार पूर्व न्यायाधीश गिरीश चन्द्र लालके अध्यक्षतामे गठन कएने उच्च स्तरीय छानविन आयोग बुधदिन धनुषाके पीडितसभसाथ पुछताछ तथा उजुरी संकलन कएनेअछि ।संविधान जारी होबऽसँ पूर्व तथा पश्चात मधेस तथा थरुहटमे भेल आन्दोलनके क्रममे भेल हत्या, हिंसा, तोडफोड, आगिजनी तथा मानवअधिकार हननके घटनासभ सम्बन्धि जानकारी लेब, पीडित परिवारसभके समस्या बुझऽ तथा घटनास्थलके स्थलगत निरीक्षण कऽर अध्यक्ष लाल सहित आयोगक सदस्यसभ सूर्यप्रसाद कोईराला, नवराज ढकाल, सुखचन्द्र झा, सुजन लोकचन सहित आयोगक कर्मचारीसभ अखन जिल्ला दौडाहामे अछि ।मंगलदिनसँ सुरु भेल स्थलगत निरीक्षण चैत १४ गतेधरि जारी रहके तथा अय क्रममे धनुषा आ महोत्तरीमे भेल मानव अधिकार हनन सम्बन्धी घटनासभके निरीक्षण, प्रमाण तथा उजुरी संकलन एवं  सरोकारवालासभसंग विमर्श कर्वाक आयोगक अध्यक्ष गिरीशचन्द्र लाल जानकारी करौलनि ।आयोगक सदस्य शुभचन्द्र झाके अनुसार आयोगमे हालधरि १३ सय उजुरी दर्ता भऽचुकलअछि । सयौं उजुरी अखन सेहो दर्ता  होबऽबाँकी रहल ओ स्वीकार कएलनि ।अन्तरक्रियामे सहभागी सहिद परिवार, घाहिल तथा मोर्चा सम्बद्ध राजनीतिक दलक नेतासभ आयोगके कामकाज सम्बन्धमे प्रश्न उठौनेछल ।मधेस आन्दोलनक क्रममे २०७३ साल भाद्र २५ गते जनकपुरमे सुरक्षाकर्मीके गोली लागीक ३५ वर्षिय संजय चौधरी, १३ वर्षिय दिलिप यादव तथा १४ वर्षिय नितु यादवके मृत्यु भेलछल । ओकरासभके नियन्त्रणमे लऽक सुरक्षाकर्मीसभ गोली मार्नेे आरोप मृतकके परिवारजनसभ लगौनेछल ।‘पिडारी चोकमे खेलति काल हमर नाबालक बेटाके छातीमे गोली ठोकीकऽ हत्या कएलक । अपराधीउपर कारवाही होबपरत,’ मृतक दिलिप यादवके पिता रामनरेश यादव आक्रोश व्यक्त कएलनि ।आन्दोलनक क्रममे तीन गोली लागी सख्त घाहिल बनल जनकपुर उपमहानगरपालिका–१५ के सुनिल कुमार दासके शरिसँ अखनो एकटा गोली निकाल नै सकलअछि । २३ वर्षिय दास हालधरि क्षतिपूर्ति समेत नै पओने उपराग सुनौलनि ।

 

 

Share.

Leave A Reply