अषाढ ६ गते,निर्वाचन आयोग दोसर चरणके चुनावक लेल उम्मेदवारसभक नाम सार्वजनिक कएलकअछि । रबिदिन भेल उम्मेदवारी मनोनयन दर्ताउपर सोमदिन परल दाबी विरोधके छानबिन बाद उम्मेद्वारके नामावली सार्वजनिक कएलकअछि ।
उम्मेदवारी फिर्ता लेबऽचाहबलासभके आय मंगलदिनके समय देनेअछि । उम्मेदवारी फिर्ताबाद मंगलेदिन उम्मेदवारके अन्तिम नामावली सार्वजनिक करके आ चुनाव चिन्ह वितरण करके जनौलकअछि ।
आगामी १४ गते होबबला दोसर चरणके स्थानीय तह चुनावक लेल ३ टा प्रदेशके ३ सय ३४ टा स्थानीय तहमे १५ हजार ३८ गोटे जनप्रतिनिधि निर्वाचित ह्यात । आयोगके अनुसार करिब चारि गुणा बेसी उम्मेदवारी परलअछि । दलसभ शनिएदिनसँ चुनावी कार्यक्रम कऽरह्लाकबादो मनोनयनपत्र दर्ता आ नामावली सार्वजनिक होब लगते प्रचारप्रसार आ कार्यक्रम आओर बढलअछि । चुनावके विरोधमे रहल राजपा आ विप्लव नेतृत्वक नेपाल कम्युनिष्ट पार्टीके नेता कार्यकर्तासभ समेत किछ ठाममे स्वतन्त्र उम्मेदवारी देलासँ चुनावके उत्साह बढलअछि ।
आय उम्मेदवारके अन्तिम नामावली प्रकाशन आ चुनाव चिन्ह वितरण
0
Share.