बैशाख १८ गते,जापान अमेरिकी पानी जहाजके सुरक्षाक लेल बडका लडाकु पानी जहाज पठौलकअछि । सेनाके भूमिका बढैवाक सम्बन्धी विवादास्पद कानुन पारित कएने जापान अपन समुद्री क्षेत्रमे बडका लडाकु पानी जहाज पठौलकअछि ।हेलिकप्टर सहितके इजुमो लडाकु पानी जहाज हातहतियार सहितके युद्धक सामान आपूर्ति कर्वाक अमेरिकी पानी जहाजके स्कर्टिङ कएने बिबिसी जनौलकअछि । अमेरिकी पानी जहाज तेल रख्वाकलेल इजुमो दिस जाऽरहलअछि । अयमे अमेरिकाके कार्ल भिनसन विमान बाहक समूह सेहोअछि ।उत्तर कोरिया कार्ल भिनसन तथा अमेरिकी लडाकु पानी जहाजके समुद्रमे डुबैवाक चेतावनी देनेअछि । उत्तर कोरियाके याह् चेतावनीबाद जापान अमेरिकी पानी जहाज तथा कार्ल भिनसनके सुरक्षाक लेल ९ टा धरि हेलिकप्टर बोक सक्वाक दु सय ४९ मिटर लम्बा इजुमो लडाकु पानी जहाज पठौनेअछि ।योकोसुकासँ गेल जापानी लडाकु पानी जहाज युद्धक सामान आपूर्ति कर्वाक अमेरिकी पानी जहाजसाथे सहकार्य करत । जापान अपन सहकर्मी देशके सेनाके सुरक्षाक लेल अपन सेनाके पठबति आएलअछि । उत्तर कोरियाके समस्या समाधानक लेल अमेरिका आ जापान सहकार्य करति आएलअछि ।पछिल्लका समय उत्तर कोरिया लगातार कऽरहल मिसाइल तथा आणविक परीक्षणके बिच कोरियाली प्रायद्विपमे तनाव उच्च भेलअछि । उत्तर कोरियाके आणविक कार्यक्रमसँ जापान, अमेरिका तथा दक्षिण कोरियामे सुरक्षा चुनौती बढल विश्लेषण सेहो कएलगेलअछि ।