अफगानिस्तानमे सेनाके शिविरमे आक्रमण, ५० सँ बेसी सैनिकके मृत्यु

0

बैशाख ९गते,अफगानिस्तानमे तालिवान लडाकुसभ सेनाके शिविरमे आक्रमण कएलकअछि । आक्रमणमे परि ५० सँ बेसी अफगान सैनिकके जान गेले समाचार संस्था रोयटर्स जनौलकअछि । उत्तरी शहर मजार–ए–शरिफ शहरके बाहरी क्षेत्रमे रहल सेनाके ओय क्षेत्रके हेडक्वाटरमे आक्रमण भेलअछि ।सेनाके पहिरनमे आएल तालिवान लडाकुसभ आक्रमण कएने स्थानीय अधिकारीके उद्धृत करति बिबिसी जनौलकअछि । मस्जिद नजदिक रहल सेनाके हेडक्वाटरमे आक्रमण भेलअछि । तालिवान विज्ञप्ती निकालिक घटनाके जिम्मा लेलकअछि । अफगान सेनाके तालिवान विरुद्धके कारवाहीके पश्चिम राष्ट्रके गठबन्धन सेना नेटो साथ दैत आएलअछि ।

 

Share.

Leave A Reply