३० वर्षबाद बलात्कारके आरोपी पक्राउ

0

जेठ ७ गते,बलात्कार कऽक फरार रहल ३० वर्षबाद प्रहरी एकगोटेके रबिदिन पक्राउ कएलकअछि ।
०४४ सालमे धरान–१६ रहनियार एक महिलाके जबर्जस्ती बलात्कार कऽक फरार रहल धरान–१० के लालु कहबला ५० वर्षीय ललित राईके पक्राउ कएने इलाका प्रहरी कार्यालयके प्रहरी नायव उपरीक्षक ढकेन्द्र खतिवडा बतौलनिअछि । बलात्कारबाद अदालत मुद्दा फैसला कएलाकबादो लम्बा समयसँ फरार रहल अवस्थामे पक्राउ परल सम्भवत यी पहिल घटना होब सक्वाक प्रहरी जनौलकअछि ।
प्रहरी नायव उपरीक्षक खतिवडाके अनुसार २०४४ सालमे राईविरुद्ध बलात्कार अभियोगमे इलाका प्रहरी कार्यालयमे जबर्जस्ती करणी मुद्दा दर्ता करौलाकऽबादो फरार रहल अवस्थामे अनुसन्धान पूरा कऽ सुनसरी जिल्ला अदालतमे मुद्दा दायर भेलछल । बलात्कार कएने समयमे राईके उमेर करिब २० वर्षके रहलछल ।
सुनसरी जिल्ला अदालतसँ २०४७ आश्विन ५ गते राईके दण्ड जरिवाना स्वरुप ३ वर्ष कैद फैसला भेलछल । मुद्दा, बलात्कारी राई फरार रहलछल । राई बलात्कार कएने महिलाके मृत्यु भऽचुकल बुझलगेल प्रहरी जनौलकअछि ।
इलाका प्रहरी कार्यालय अदालतसँ फैसला भऽक जेल सजाय, दण्ड जरिवाना तोक्ने मुद्दा फरार रहल अपराधीक व्यक्तिसभक लिस्ट प्राप्त कएलाकबाद खोजतलास कएलापर राई पक्राउ परलअछि । पक्राउ पर्लाकबाद राई अपन गल्ती स्वीकार कएनेअछि । राईके रबिएदिन सुनसरी जिल्ला अदालतमे पेस कएने प्रहरी नायव उपरीक्षक खतिवडा बतौलनिअछि ।

Share.

Leave A Reply