२० वर्षबाद आय स्थानीय चुनाव होब जाऽरहल

0

 

 

बैशाख ३१ गते,मुलुकमे स्थानीय निर्वाचन २० वर्षबाद आय रबिदिन होब जाऽरहलअछि । पहिल चरणमे होबलागल यी मतदानसँ ३४ जिल्लाके २ सय ८३ स्थानीय तहमे जनप्रतिनिधि चुनत । संविधानसभासँ जारी भेल नेपालके संविधान कार्यान्वयनके एकटा महत्त्वपूर्ण सिढिके रूपमे अय चुनावके लेलगेलअछि । निर्वाचन आयोग आय रबिदिन भिन्सर ७ बजेसँ साँझ ५ बजेधरिके लेल मतदानके समय निर्धारण कएनेअछि । प्रमुख निर्वाचन आयुक्त अयोधीप्रसाद यादव स्थानीय सरकारके जनप्रतिनिधि छान मतदान प्रक्रियामे सहभागी होबऽ सब मतदाताके आग्रह कएलनिअछि । ओ सुरक्षाके विस्वास्निय व्यवस्थासमेत कएलासँ विस्वस्त भऽक अपन मताधिकार प्रयोग कऽर अपिल कएलनिअछि ।पाँच वर्षके अन्तरालमे होबऽपर्वाक स्थानीय निर्वाचन २०५४ सालके जेठसँ एमहर होब नै सकलछल । मुलुकके राजनीतिक व्यवस्था सही ‘ट्रयाक’ मे भेलरहित तँ अय अवधिमे तीन बेर स्थानीय निर्वाचन भऽक अखन चारिम बेरके लेल तयारी भऽ रहल रहित । मुद्दा माओवादीके सशस्त्र द्वन्द्व, राजाके प्रत्यक्ष शासन, जनआन्दोलन, संविधान निर्माण जेहन पछिल्लका डेढ दशकके महत्त्वपूर्ण राजनीतिक घटनाक्रमसँ स्थानीय निर्वाचन होबऽ नै सकलछल । सरकारपिच्छे स्थानीय निर्वाचन कराबके प्रतिबद्धता दोहोरैलाकबादो चुनाव होब नै सकलछल । डेढ दशकसँ जनताके सबसँ नजदिकके निकाय जनप्रतिनिधि विहीन रहलछल । कर्मचारीसँ चलल । संविधानसभासँ नयाँ संविधान जारी भऽक नेपाल संघीय संरचनामे गेलाकबाद होबऽ लागल यी पहिल निर्वाचन सेहो अछि  ।अखन संविधानसँ अधिकारसम्पन्न बनौने स्थानीय तहके निर्वाचन होबऽ लागलअछि । साविकके २ सय १७ नगरपालिका (महानगर आ उपमहानगरसहित) आ ३ हजार १ सय ५७ टा गाविस संविधान अनुसार पुनःसंरचना कएलाकबाद ७ सय ४४ टा स्थानीय तहमे परिणत भेलअछि । संविधानसँ कार्यपालिका, व्यवस्थापिका आ न्यायपालिकाधरिके अधिकार स्थानीय सरकारके देलगेलअछि । ‘संघीय लोकतान्त्रिक गणतन्त्रके संविधानसँ संस्थागत कएलाकबाद पहिल निर्वाचनसँ स्थानीय तहके नेतृत्व कर्वाक व्यवस्थापिका, कार्यपालिका आ न्यायपालिका सञ्चालन करबला जनप्रतिनिधि निर्वाचित कएलजारहलअछि ,’ प्रमुख आयुक्त यादव कहलनि, ‘यी ऐतिहासिक अवसर अछि, निर्वाचित जनप्रतिनिधिसँ लिखल संविधान कार्यान्वयनके क्रम सेहो अछि ।’ २०७२ आश्विन ३ मे जारी संविधान कार्यान्वयनके लेल २०७४ के माघ ७ भितर स्थानीय, प्रादेशिक आ व्यवस्थापिका संसदके निर्वाचन सम्पन्न करपर्वाकअछि ।माओवादी–कांग्रेस गठबन्धनके पुष्पकमल दाहाल नेतृत्वक सरकार फागुन ९ गते वैशाख ३१ गते एके दिन निर्वाचन कराबके घोषणा कएनेछलथि । मुद्दा वैशाख १० गते निर्णय कऽ वैशाख ३१ आ जेठ ३१ गते दु चरणमे कर्वाक घोषणा कएलगेलअछि । ओयअनुसार पहिल चरणमे प्रदेश नम्बर ३, ४ आ ६ के ३४ जिल्लाके ४ महानगर, १ उपमहानगर, ९२ नगरपालिका आ १ सय ८६ गाउँपालिकामे निर्वाचन भऽरहलअछि । काठमाडौं, ललितपुर, भरतपुर, पोखरा–लेखनाथ चारु महानगरपालिकाके निर्वाचन पहिल चरणमे परलअछि । चितवनबाहेक तराईके सब जिल्ला आ अन्य पहाडी जिल्लासमेतके ४ सय ६१ गाउँपालिका आ नगरपालिकाके निर्वाचन दोसर चरणमे ह्यात ।

 

 

Share.

Leave A Reply