१९ मत कम भेलाकबाद सिन्धुलीके दुधौली नपामे मतगणना रोकाएल

0

जेठ १ गते, सिन्धुलीके दुधौली नगरपालिकामे मतगणना कार्य अखन रोकाएलअछि । वडा नं २ मे खसल मतसँ १९ मत कम भेलाकबाद मतगणना कार्य रोकाएलअछि ।
वडा नं २ मे रबिदिन एक हजार ८३० मत खसलमे सोमदिन एक हजार ८११ मत मात्र भेलाकबाद मतगणना कार्य रोकाएल दुधौलीके निर्वाचन अधिकृत नुरहरि खतिवडा जानकारी देलनिअछि ।
मतदान अधिकृत देने तथ्याङ्कसँ १९ मत कम भेलाकबाद राजनीतिक दलसभ असन्तुष्ट बनलअछि । दलसभके सहमतिमे लाबिक मतगणना चालु कर्वाक प्रयास कएलाकबादो दलसभ सन्तुष्ट होबऽनै सकलअछि ।
दुधौलीमे रबिदिन भेल मतदानमे खसल २७ हजार ५५ मतमध्ये अखन बन्डल बनाबिक मतगणना कऽर खोज्लापर २७ हजार ३६ मात्र मत भेलाकबाद राजनीतिक दलसभ मतगणना कऽर नै मान्ने दुधौली नगरपालिकाके निर्वाचन अधिकृत खतिवडा जानकारी देलनिअछि ।
सोमदिन भिन्सर ११ः३० बजेसँ मतगणना कऽर ५० टाके बन्डल बनबतिकाल १९ मत कम भेलाकबाद राजनीतिक दलसभ असन्तुष्ट बनल निर्वाचन अधिकृत खतिवडाके कहबअछि ।
राजनीतिक दलसभ मतगणना कऽर नै मान्लासँ मिलधरि मिलाबके आ नै भेल तँ सर्वपक्षीय बैसार बैसक निर्णय कर्वाक मुख्य निर्वाचन अधिृकत पर्शुराम भट्टराई जानकारी देलनिअछि । सिन्धुलीके अन्य स्थानमे मतगणना कार्य जारी अछि ।

Share.

Leave A Reply