१६ वर्षसँ एभरेष्ट पेपर मिल अदलात आदेशके धज्जी उडाबिरहल

0

बैशाख १९ गते,धनुषा जिल्लाके औरही नदी होईत महोत्तरी जिल्लामे परबला कुटमेश्वरी आ विग्ही नदीके पानिमे कोनो भिऽ किसिमके विषादीयूक्त रसायनिक (केमिकल) प्रयोग नै कऽर सर्वोच्च अदालत एभरेष्ट पेपर मिल्स प्रा.लिके आदेश देने डेढ दशक सँ बेसी समय वित्लाकबादो आदेशके पालना नै कएने पाओलगेलअछि ।वि.स. २०५८ सालमे सर्वोच्च अदालतमे परल रिटउपर न्यायाधीश चन्द्र प्रसाद पराजुली तथा बलराम केसीके संयुक्त इजलाससँ परमादेश समेतके निर्देशनात्मक आदेश पेपर मिल्सके देनेछल । मुद्दा ओ मिलसँ निक्लल बिषादीयूक्त फोहोरमैलासभ नदीमे फेक्वाक क्रममे अर्थात १६ वर्ष आगा सर्वोच्च अदालतके आदेश अएलाकबादो ओ आदेशके उल्लंघन कर्वाक क्रम अखनो जारीए अछि तँ सर्वोच्च अदालतके उक्त आदेश अखनधरि कार्यान्वयन होब नै सकलअछि ।

Share.

Leave A Reply