१५ टा मानव खप्परसहित भारतीय नागरिक पक्राउ

0

बैशाख १९ गते,झापाके मेचीनगर नगरपालिका–६ सँ मानव खप्पर सहित एकगोटे भारतीय नागरिक पक्राउ परलअछि । भारतके दार्जिलिङ जिल्ला खोरीबारी थाना गौरसिंहजोर–६ के ६६ वर्षक भगीरथ सिंह १५ टा मानव खप्परसहित सोमक राति पक्राउ परलअछि ।पूर्वी नाका काँकडभिट्टा भऽक नेपालदिस अबैतकाल ओकरा जाँच कर्वाक क्रममे इलाका प्रहरी कार्यालय काँकडभिट्टा आ सशस्त्र प्रहरी बलके संयुक्त टोलीसभ पक्राउ कएने जिल्ला प्रहरी कार्यालय झापा जनौलकअछि ।मानव खप्पर सहित पक्राउ परल ओकरा इलाका प्रहरी कार्यालय काँकडभिट्टामे राखिक अनुसन्धान भऽरहल प्रहरी जनौलकअछि ।

 

Share.

Leave A Reply