१२६ किलो चरेस बरामद

0

बैशाख २० गते,जिल्ला प्रहरी कार्यालय चितवन पैघ परिमाणमे लागुपदार्थ चरेस बरामद कएलकअछि ।ना ४ ख ७६३० नम्बरके ट्रकसँ बुधदिन भिन्सर १० बजेके समयमे नारायणगढके लायन्सचोकसँ १२६ किलो चरेस बरामद कएने जिल्ला प्रहरी कार्यालय चितवनके प्रमुख प्रहरी उपरीक्षक दीपक थापा बतौलनिअछि ।ट्रकके पछाडिके ढालामे थोत्रा बोरामे राखिक धादिङके आदमघाटसँ लोड कऽ काठमाडौं जाऽक पुनःघुईरक चितवन अएवाक क्रममे नारायणगढमे ट्रक नियन्त्रणमे लेने थापा बतौलनि । ट्रक चालक वीरगञ्जके मजार मुसुर आ ट्रकेमे यात्रा कऽरहल अजयकुमार रायके सेहो प्रहरी पक्राउ कएलकअछि ।ट्रक चालक ५० हजार रुपैयाँ भाडा पाबके भेलाकबाद सामान ढुवानी कएने जनौने थापा बतौलनिअछि ।ओ चरेस पाँच पाँच सय ग्रामके दु सय ५३ टा प्याकेट बनाबिक लओनेछल । अयसँ आगा सेहो प्रहरी धादिङसँ लएवाक क्रममे चितवनसँ एक सय किलो चरेस नियन्त्रणमे लेने जनौलकअछि ।

Share.

Leave A Reply