११७ सहकारी संस्था दर्ता, १२के दर्ता खारेज

0

अषाढ २५ गते,सहकारी डिभिजन कार्यालयमे चालु आर्थिक वर्षमे ११७ टा नयाँ सहकारी संस्था दर्ता भेलअछि ।
चालु आवमे सिरहामे ५८ आ सप्तरीमे ५९ टा नयाँ सहकारी संस्था थपाएल कार्यालयके सूचना अधिकारी प्रकाश योङ्गहाङ्ग जानकारी देलनिअछि । हुनक अनुसार अयके सँगे आब सिरहामे सहकारी संस्थाके सङ्ख्या ६७७ पहुँचलअछि तँ सप्तरीमे ७२८ टा रहलअछि ।
दर्ता भऽक लम्बा समयधरि कोनो कारोबार नै कएने सिरहा आ सप्तरीके १२ टा सहकारी संस्थाके दर्ता खारेज भेलअछि । दर्ता भेल १० वर्षसँ बेसी समयधरि कोनो कारोबार नै कएने कहति कार्यालय सिरहाके पाँच आ सप्तरीके सातटा सहकारी संस्थाके दर्ता खारेज कएनेअछि ।
गत आर्थिक वर्षमे सेहो ओ कार्यालय सिरहाके दश आ सप्तरीके १६ टा कऽ २६ टा सहकारी संस्थाके दर्ता खारेज कएनेछल । दर्ता कराईयोक लम्बा समयधरि कोनो कारोबार कएने नै देखौलासँ ओहन सहकारी संस्थाके दर्ता खारेज कएने कार्यालय प्रमुख रामप्रसाद सुवेदी जानकारी देलनिअछि । ओ कार्यालय सिरहा आ सप्तरीके कार्यक्षेत्र बनाक काज करति आएलअछि ।

Share.

Leave A Reply