स्वाइन फ्लूके कारण मरबलाके सङ्गख्या ६ पहुँचल

0

श्रावण २० गते,पेन्डेमिक इन्फ्लुएञ्जा (स्वाइन फ्लू) के कारण अखनधरिमे ६ गोटेके मृत्यु भेल पाओलगेलअछि ।
शुक्रराज ट्रफिकल तथा रोग नियन्त्रण महाशाखाक अनुसार मृत्यु होबऽबलामे २५ सँ ५२ वर्ष उमेर समूहके तीन महिला तथा पुरुष अछि ।
बृहस्पतिदिन आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे महाशाखाके निर्देशक डा.भीम आचार्य जनवरी १ सँ अगस्ट ३ धरि स्वाइन फ्लुके कारण छ गोटेके मृत्यु भेल बतौलनि । ‘आठ महिनाक अवधीमे स्वाइन फ्लुके कारण ६ गोटे मृत्यु भेलअछि । मुद्दा कोन कारणसँ कहि सम्बन्धमे प्रयोगशालासँ पुष्टि होबऽ बाँकी अछि’ ओ कहलनि ।
सरकारद्धारा मान्यता प्राप्त तीन टा प्रयोगशालासँ आएल नतिजाक आधारमे एच वान एन् वान पीडीएम ०९ के संक्रमण २०२ गोटेमे भेटलअछि । एच ३ एन २ के कारण ५ तथा टाइप बीके कारण एकके मृत्यु भेल डा. आचार्य बतौलनि ।
ऋो कहलनि, ‘उपचारक क्रममे गत अप्रिल २ मे ५२ वर्षीया महिलाके मृत्यु भेलछल तँ जुलाई २ मे काठमाडौंके बुढानिलकण्ठके २५ वर्षीय एक पुरुषमे सवाइन फ्लु भेल पुष्टि भेलछल’ ।
ओयबाहेक जुलाई २४ मे स्यान्जाके ४९ वर्षीय पुरुष, जुलाई २९ मे पोखराके २९ वर्षीय पुरुष तथा अगष्ट १ मे पोखराके ४८ वर्षीया महिलामे तथा अगष्ट २ मे पोखराके ३६ वर्षीया महिलाके स्वाइन फ्लूके कारण मृत्यु भेलअछि ।
हुनक अनुसार मृत्युके कारण स्वाइन फ्लूए देखलगेलअछि । मुद्दा, केन्द्रिय प्रयोशालासँ प्रमाणित होबऽ बाँकी अछि ।

Share.

Leave A Reply