सैकड़ों लीटर घरेलू मदिरा नस्ट

0

सीमा प्रहरी चौकी दुहबी आ महिनाथपुर ससस्त्र प्रहरी बेष सं खटल संयुक्त टोली आई धनुषाक दुहवी, गोबराही आ चिकना टोल सं पांच सय लीटर घरेलू मदिरा नस्ट कयलक अछि ।
दुहबी ९ चिकना सं तीनगोट घर मे बनबैत आयल ५ सय ५० लीटर घरेलू मदिरा आ कच्चा पदार्थ समेत संयुक्त टोली नस्ट कयने सीमा प्रहरी चौकी दुहबीक इंचार्ज धर्मेन्द्र ठाकुर जानकारी देलक अछि । जनपथ आ महिनाथपुर ससस्त्र प्रहरी के इंस्पेक्टर के नेतृत्व में गेल टोली संयुक्त रूप में आपरेशन चलउने ठाकुर के कहब छैन ।
गाम घर मे चोरा नुका क बना रहल अबैध मदिरा नियंत्रण में किछ दिन एमहर प्रहरी सक्रियता बढ़ोने अछि । एक दिन पूर्व मात्र सीमा प्रहरी चौकी दुहबी सैकड़ों लीटर अबैध घरेलू मदिरा पक्राउ क नस्ट कयने छल ।

Share.

Leave A Reply