सुख्खा मौसममे होवएबला आगिलगी सहित अन्य विपद् व्यवस्थापनके सम्बन्धमे जनकपुरमे कृत्रिम अभ्यास कराऔलगेल

0

चैत्र–१९गते,सुख्खा मौसममे होवएबला आगिलगी सहितक अन्य विपद् व्यवस्थापनके सम्बन्धमे शुक्रदिन जनकपुरमे कृत्रिम अभ्यास कराओलगेलअछि । जिल्ला विपद् व्यवस्थापन समिति धनुषाके आयोजनामे जनकपुरके तिरहुतिया गाछीमे भेल उक्त  व्यवस्थापन कार्यक्रममे  जिल्ला प्रशासन कार्यालय धनुषा, जिल्ला विकास समिति धनुषा, जिल्ला शिक्षा कार्यालय धनुषा, नेपाल प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी, नेपाली सेना, नेपाल रेडक्रस सोसाइटी तथा विभिन्न गैर सरकारी संस्थाक  प्रतिनिधिसभक सहभागीतामे कृत्रिम रुपमे  अभ्यास कार्य कएलगेलअछि ।उक्त कार्यक्रममे बजति समितिके अध्यक्ष एवम्  धनुषाक प्रमुख जिल्ला अधिकारी दिलिप कुमार चापागाई अखनके समयमे होबबला आगिलगी लगायतक खतरासँ बाँच तथा घटना भेलाकऽबाद कएलजायबला  काजके सम्बन्धमे जानकारी कराब एहन काजके आयोजना कएने बतौलनिअछि ।तहिना , धनुषाक स्थानिय विकास अधिकारी सान्त बहादुर सुनार गरिब बस्तीमे फुसक घरमे आगि लगलापर होवएवाला धनजनके क्षतीके रोक समाजमे सचेतना जगावके लेल ऐहन कार्यक्रमके आयोजना काएलगेल बतौलनिअछि ।जिल्ला विपद् वयवस्थापन समिति धनुषा प्रत्येक वर्ष समाजमे विपद्सँ बच तथा  जनचेतना जगाब एहन  विपद् जोखिम व्यवस्थापन तथा मानविय पुर्व तयारी कार्यक्रम  जिल्ला स्तरिय कृत्रिम घटना अभ्यास करबति आएलअछि ।

 

Share.

Leave A Reply