सिरियामे युद्धविराम कऽर अमेरिका, रुस आ जोर्डन सहमत

0

आषाढ २४ गते,अमेरिका, रुस आ जोर्डन सिरियामे युद्धविराम लागु कऽर सहमत भेलअछि । जी–ट्वेन्टी सम्मेलनके क्रममे तीन देश सिरियाके दक्षिण पश्चिमी क्षेत्रमे युद्धविराम लागु कऽर सहमत भेलअछि ।
जर्मनीके ह्यामबर्गमे भऽरहल जी–ट्वेन्टी सम्मेलनके क्रममे अमेरिका आ रुस सिरिया युद्धके विषयमे सहमतिमे पहुँचलअछि । युद्धविराम आय रबिदिनसँ लागु ह्यात । अमेरिकी राष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रम्प आ रुसी राष्ट्रपति भ्लादिमिर पुटिनबिचके भेटवार्ताबाद सिरियामे युद्धविराम कर्वाक विषयमे सहमति भेल घोषणा कएनेअछि ।
सम्मेलनके क्रममे ट्रम्प आ पुटिनबिच पहिल बेर प्रत्यक्ष भेटवार्ता भेलअछि । भेटवार्ताके क्रममे ट्रम्प आ पुटिन सिरिया युद्धसहितके विभिन्न विषयमे छलफल कएने बिबिसी जनौलकअछि ।
सिरियामे सन् २०११ सँ सुरु भेल युद्धके क्रममे अखनधरि तीन लाख सँ बेसीके जान जाऽचुकलअछि । अहिना युद्धके कारण ५५ लाख सिरियासभ देश छोडनेअछि । अहिना कऽ ६३ लाख आन्तरिक रुपमे विस्थापित भेल संयुक्त राष्ट्रसंघीय शरणार्थी नियोग जनौलकअछि ।
रुस आ अमेरिका सिरियाके दु पक्षके समर्थन करति आएलअछि । रुस सिरियाली राष्ट्रपति बसर अल असद तथा अमेरिका असदके विपक्षमे रहल समूहके सहयोग करति आएलअछि । अयके कारण दु देशबिच तनाव बढलछल । आब सहमति भेलाकऽबाद सिरिया युद्ध समाधान होएवाक आशा कऽर सक्वाक विश्लेषकसभ बतौनेअछि ।

Share.

Leave A Reply