सिरहामे निजी विद्यालयके मेलजोलसँ परीक्षा अमर्यादित

0

चैत्त–६ गते,सिरहामे अपने विद्यालयके शिक्षकसभ निरीक्षक (गार्ड) मे बैस नै मान्ने कहति केन्द्राध्यक्ष निजी स्कूलसभसाथे रकम लऽक ओकरे शिक्षकसभके गार्डमे रख्ने पाओलगेलअछि । सेन्टर खर्चके लेल सहयोग कएने आ गार्ड बापतके रकम सेहो नै लेवाक शर्तमे केन्द्राध्यक्ष निजी विद्यालयके शिक्षकके गार्डमे रख्ने बुझलगेलअछि ।रामदुलारी उच्च मा.वि. कल्याणपुर जब्दीके केन्द्राध्यक्ष लालदेव साह अपने विद्यालयके शिक्षकके गार्डमे नै राखिक परीक्षामे सहभागी रहल निजी विद्यालयके शिक्षकसभके परीक्षाके गार्डमे रख्नेअछि ।परीक्षा संचालन भऽरहल बेर एकेटा परीक्षा कोठामे तीन चारि गोटे गार्ड रहल आ फ्ल्यापसँ विद्यार्थीसभ उत्तर सारिरहल फोटो पत्रकारसभ खिचऽलागलबेर केन्द्राध्यक्ष साह फोटो खिचसँ समेत रोक लगौनेछल ।संचारकर्मीसभ परीक्षा निरीक्षकसभक नामावली माग कएलापर नामावली उपलव्ध नै करौनेअछि । केन्द्राध्यक्ष साह ‘हमसभ देबपर्वाक  ठामँमे देनेछि आहाँसभके देवाक जरुरी नै अछि कहैत संचारकर्मीसभके परीक्षा केन्द्रमे बेसी समय नै बैसके कहति बाहर जायके कहनेछल । उक्त परीक्षा केन्द्रमे जनता बनवाली उच्च मा.वि बर्छवा आ स्वस्तिक पाठशाला मिर्चैयाके परीक्षा केन्द्र रहलअछि ।अहिना, जनता मा.वि. कसहा, मोहन मा.वि. मिर्चैया, जनता बनवाली, जनसेवा उच्च मा.वि. बन्दिपुर परिक्षा केन्द्रसभमे नीजि विद्यालयके शिक्षकसभ निरीक्षक रहल पाओलगेलअछि । निजी विद्यालयसभ दोसरे विद्यालयके फर्जि परीचय पत्र बनाक गार्ड बैसति आएलअछि ।एमहर, जिल्ला शिक्षा अधिकारी अरविन्द्र लाल कर्ण अपने विद्यालयके शिक्षक अपुग भेलासँ मात्र दोसर विद्यालके शिक्षकसभ राखके निर्देशन देने बतौलनि । कोनो प्रलोभनमे परी परीक्षामे निजी विद्यालयके शिक्षकसभ निरीक्षक रख्नेअछि तँ ओकरासभ उपर कार्वाही होएवाक बतौलनिअछि ।

 

Share.

Leave A Reply