सिरहामे अवस्थित ऐतिहासिक स्थल राजा सल्हेसक मन्दिरमे श्रद्धालु दर्शनार्थीसभक भीड

0

बैशाख–२गते, सिरहामे अवस्थित रहल ऐतिहासिक स्थल राजा सल्हेसक मन्दिरमे प्रत्येक नयाँ वर्षमे लागबला मेला जेहन अय बर्षके मेलामे सेहो नेपालक विभिन्न जिल्ला आ भारतीय श्रद्धालु दर्शनार्थीसभक शुक्रदिन भीड देखलगेलछल । पूर्वपश्चिम राजमार्गसँगे जोडल लहान नगरपालिका अन्तर्गत रहल पडरीयामे सल्हेस फूलबारीमे मेला देख्वाकलेल दर्शनार्थीसभके भीड लागलछल । शुक्रदिन भिन्सरेसँ सिरहाके साथे सप्तरी, धनुषा, उदयपुर तथा सिमाबर्ती भारत लगायतके दर्शनार्थीसभक भिड लागलछल ।दलित जातिक मध्ये एक मात्र राजा भेल सल्हेसके इतिहास झल्काएबला सिरहाके विभिन्न ऐतिहासिक स्थलसभमे परापूर्वकलसँ राजा सल्हेसके यादमे पूजा कऽर भक्तजनसभ अबति आएल स्थानीय बृद्धसभक कहबअछि ।हुनक यादमे सिरहाके पकरियागढ, लहान नगरपालिका गोविन्दपुर स्थित मानिक दह, सिसबनी स्थित सल्हेस पूmलबारी, पतारी स्थित पताइर पोखरी आ सिरहा नगरपालिका स्थित राजा सल्हेसक मन्दिरमे मेला लगति आउलअछि । पकडियागढ, मानिकदह, सल्हेस पूmलबारीमा बैसाख १ गते आ पताइर पोखरी आ सल्हेस मन्दिरमे बैसाख २ गते तराइमे मनाओलऽजाएबला जुडसितल पावनिके दिन मेला लगति आएलअछि ।राजा सल्हेस अपनासँ उपरका जातिक बेटी तत्कालिन मोरंगके राजा हिनपैत मालीके बेटी दानाबती मालीसँ विवाह कऽर बेर बेर अस्विकार कएलाकबाद दानाबती राजा सल्हेसके यादमे बीना पानीके लगौने बगैचा अखन सल्हेस पूmलबारीके नामसँ प्रचलित रहल किंबदन्ती अछि ।ओय फूलवारीमे रहल सालके गाछमे प्रत्येक बर्ष बैसाख १ गते पूmलके माला पूmलाईतअछि । व्याह् पूmल सल्हेस पूmलबारी मेलाके प्रमुख आकर्षण बनैतआएलअछि । अन्ततः राजा सल्हेस दानाबतीसाथे विवाह कएलाकबाद तराईमे अन्तरजातीय विवाह शुरु भेल किंबदन्ती रहलअछि ।

 

 

 

Share.

Leave A Reply