सिन्धुलीके कमलामाई नगरपालिकाके एक कर्मचारी घुससहित पक्राउ

0

चैत्र–१९गते,सिन्धुलीके कमलामाई नगरपालिकाके एक कर्मचारी २२ हजार ५ सय रुपैयाँ घुससहित पक्राउ परलअछि ।अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोग क्षेत्रीय कार्यालय बर्दिबासके टोली सिन्धुलीके कमलामाईके नगरपालिकाका नापी सर्वेक्षक सन्तोष कुमार श्रेष्ठके शुक्रदिन कार्यालयमे एक सेवग्राहीसँ लेने घुस रकमसहित पक्राउ कएनेअछि ।आयोग बर्दिबासके एसपी राज कुमार लम्सालके नेतृत्वमे गेल टोलीसभ श्रेष्ठाके शुक्रदिन दुपहर २ बजे पक्राउ कएने जनौलकअछि । भूकम्पपीडितके जग्गासँ बाट लजायके प्रयोजनमे एक गोटे सेवाग्राहीसँ कर्मचारी श्रेष्ठ घुस लेनेछल ।श्रेष्ठ घुस मग्लाकऽबाद सेवाग्राही आयोगके कार्यालयमे निवेदन देनेछल । ओहीअनुसार अख्तियार २२ हजार ५ सय रुपैयाँ सेवाग्राहीके उपलब्ध करौनेछल । ओ रकम श्रेष्ठ लेलाकबाद अख्तियार पक्राउ कएने एसपी लम्साल जानकारी करौलनिअछि । पक्राउ परल श्रेष्ठके भ्रष्टाचार ऐन अनुसार कारबाहीके लेल मुद्दा दायर करके ओ बतौलनिअछि ।

Share.

Leave A Reply