साहस स्पोर्टस कएलक न्यू डायमण्डके प्रायोजन

0

श्रावण १७ गते,खेलकुदक सामग्री उत्पादन करबला साहस स्पोर्टस कम्पनी आ न्यू डायमण्ड भलिबल एकेडमीबिच प्रायोजन सम्झौता भेलअछि।
मंगलदिनसँ औपचारिक रुपमे सञ्चालनमे आएल साहस स्पोर्टस न्यू डायमन्ड एकेडेमीके १ लाख ७५ हजार रुपैयाँ बराबरके पोशाक उपलब्ध कराबके सहमतीमे मंगलदिन हस्ताक्षर भेलअछि ।
अहिना साहस स्पोर्टस सद्भावना दुतके रुपमे भलिबल खेलाडी प्रतिभा मालीके नियुक्त कएनेअछि । सद्भावना दुत बनल प्रतिभा माली आ साहस स्पोर्टसबिच १ लाख २० हजार आ खेल सामग्री कऽ १ लाख ७० हजार रुपैयाँ पाबके सम्झौता सेहो भेलअछि ।
सद्भावना दुत आ प्रायोजन सम्झौता कार्यक्रममे साहस स्पोर्टसके प्रमुख जनक न्यौपाने भलिबलके सरकार राष्ट्रिय खेल बनौलाकऽबाद भलिबलके प्रचारप्रसार आ खेलाडीके विकासक लेल प्रायोजन कएने बतौलनिअछि । नेपाल ओलम्पिक कमिटी, अखिल नेपाल फुटबल संघ, राष्ट्रिय खेलकुद परिसद, विभिन्न खेल संघके पदाधिकारीसभ शुभकामना देनेअछि ।

Share.

Leave A Reply