सहकारी डिभिजन कार्यालय लहानके एक कर्मचारीके घुसरकम सहित कएलक पक्राउ

0

श्रावण ११ गते,अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोग इटहरी सहकारी डिभिजन कार्यालय लहानके एक कर्मचारीके घुस रकम सहित पक्राउ कएलकअछि । सहकारी संस्था दर्ता कराब आएल सेवाग्राही सप्तरीके राजविराज नपा ११ के प्रतिमा यादवसाथे नगद १५ हजार रुपैयाँ लऽरहल अवस्थामे अख्तियार सहायक सहकारी निरिक्षक सुवास गड्तौलाके नियन्त्रण लेलकअछि ।
अख्तियारक टोली गड्तौलाके सेवाग्राहीसाथे लेने रकम सहित नियन्त्रणमे लेने जनौलकअछि । टोलीमे रहल अख्तियारक प्रवक्ता रमेश बस्नेत विशेष सूचनाक आधारमे सहकारी डिभिजन कायालयके गडतौलाके नगदसहित नियन्त्रमे लेने जनौलकअछि ।
आवश्यक प्रक्रिया पूरा कऽ थप अनुसन्धानक लेल गड्तौलाके इटहरी लगेलअछि । सहकारी दर्ता कराब एकमहिना सँ बेसी समयसँ दौडधूप कएलाकऽबादो योग्य महिला कृषि सहकारी संस्थाके प्रतिमा यादव अपन संस्था दर्ता होबऽ नै सकल बतौलीअछि । ओे एक महिनासँ बेसी समय दौड्धूप कएलाकऽबादो कहियो यी नै मिलल, कहियो ऊ नै मिलल कहति कार्यलय घुरबति आएल बतोलीअछि । बादमे मात्र १५ हजार रुपैयाँ लागके कह्लाकऽबाद अपने रकम देने बतौलीअछि।
ओे १५ हजार सँ एको रुपैया कम लओलापर संस्था दर्ता नै होबके कहति १५ हजार लाबके दवाव देने समेत बतौलीअछि ।
अपन संस्था दर्ता कऽर किया ढिलाई भेल कहि कार्यालय प्रमुख रामप्रसाद सुवेदीलँग उपराग कएलाकऽबादो निचा गडतौला साथे बात करु कहिक ओतैसँ सबकिछ ह्यात कहिक घुरौने बतौलीअछि । एमहर कार्यालय प्रमुख अपनासबसाथे लेनदेनके विषयमे कोनो बातचित नै भेल बतौलनिअछि ।

Share.

Leave A Reply