सर्लाहीके सलेमपुरमे वर्षाके पानीसँ बनौने खड्ढामे डुबिक बुधदिन एक बालकके जान गेल

0

सर्लाहीके सलेमपुरमे वर्षाके पानीसँ बनौने खड्ढामे डुबिक बुधदिन एक बालकके जान गेलअछि । झिम नदी बनौने खड्ढामे डुबिक साबिक सलेमपुर गाविस ९ के वीरेन्द्र महतोके १० वर्षक बेटा रन्जन महतोके जान गेलअछि । खड्ढामे खेल्वाक क्रममे डुबिक बालकके जान गेल प्रहरी जनौलकअछि ।
अहिना बाढीसँ दहाक घाहिल भेल सर्लाहीके बागमती नगपालिका–१२ राजघाटके अविशेक परियारके उपचारक क्रममे जान गेलअछि । १८ वर्षक अभिशेकके उपचारक क्रममे वीर अस्पतालमे जान गेल आफन्तसभ जानकारी करौलकअछि ।
तहिना विषधर साँपक डसाईसँ सर्लाहीके सुन्दरपुरमे एक गोटेके जान गेलअछि । मंगलक राती घरमे सुतिरहल बेर करैत साँप डस्लासँ चक्रघट्टा गाउँपालिकामे परबला साविक सुन्दरपुर गाविस –१ के ३९ वर्षक शंकर साह सोनारके जान गेलअछि । सोनारके उपचारक क्रममे जिल्ला अस्पताल मलंगवामे जान गेल आफन्तसभ बतौलकअछि । किछ दिन आगा मात्र सर्लाहीके हजरियामे १९ वर्षीया युवती आ राजघाटमे ९ वर्षक बालिकाके साँपक डसाईसँ जान गेलछल ।

Share.

Leave A Reply