सप्तरी नापी कार्यालयमे बम बिष्फोट कराबऽबला दु गोटे पक्राउ

0

जेठ १५ गते,हतियारसहित जनतान्त्रिक तराई मुक्ति मोर्चाक दु गोटे कार्यकर्ताके सप्तरी प्रहरी पक्राउ कएलकअछि । पक्राउ परबलामे सप्तरीके इटहरी बिष्णुपुर गाउपालिका ७ के १९ वर्षीय आदित्य शर्मा आ रुपनी गाउँपालिका १ के ३३ वर्षीय मो. नसिर रहल सप्तरीके प्रहरी प्रमुख एसपी अनुराग द्धिबेदी जानकारी देलनिअछि ।
जिल्ला प्रहरी कार्यालयमे रबिदिन दुनु गोटेके सार्वजनिक कएलगेलअछि । जिल्ला प्रहरी कार्यालय सप्तरीसँ खटल बिशेष टोलीसभ शर्माके घर नजदिकसँ चेकजाँच कएलापर ओकरा साथसँ मेड इन इन्डिया लिखल एकटा पेस्तोल, ओयमे लागबला २ राउण्ड गोली, ५ सय ग्राम गाँजा आ जनतान्त्रिक तराई मुक्ति मोर्चा जयकृष्ण गोइत समुहके पर्चा भेट्लाकबाद नियन्त्रणमे लेने एसपी द्धिबेदी बतौलनि ।
शर्मासाथे सोधपुछ कर्वाक क्रममे ओ मोहम्द नसिर समेत अपासभक समुहमे काज कऽरहल बयान देलाकऽबाद ओकरा सेहो नियन्त्रणमे लेलगेलअछि । पक्राउ परल दुनु गोटेसभ डेढ हप्ता अगाडि जिल्ला नापी कार्यालय राजविराजमे प्रेसर कुकर बम बिष्फोटनमे अपनसभक संलग्नता रहल बयान देने प्रहरी जनौलकअछि । पक्राउ परलसभ उपर थप अनुसन्धान भऽहलअछि ।

Share.

Leave A Reply