सप्तरी घटना छानबिनके मागसहित संविधान संशोधनबाद मात्र स्थानीय चुनाव करऽपर्वाक कहति ब्रिटिस संसदमे प्रस्ताव दर्ता

0

बैशाख ९गते,बेलायती सांसद एन् क्लाउडी संविधान संशोधनबाद मात्र स्थानीय चुनाव करपर्वाक कहति ब्रिटिस संसदमे प्रस्ताव दर्ता करौलीअछि । ओ फागुन २३ गते सप्तरीमे प्रहरीके गोलीसँ पाँचगोटे मरेनाई आ अन्य बहुतो घाहिल भेलासँ तराई मधेसमे अखनके अवस्थामे चुनाव कर्वाक परिस्थिति नै भेल कहति पहिने संविधान संशोधनसँ राजनीतिक निकास देबपर्वाक, ओकरबाद चुनावमे जाएवाकलेल नेपाल सरकारके आग्रह करपर्वाक प्रस्ताव रख्लीअछि । क्लाउडी लेबर पार्टीके सांसद छथि । ओ साइनन् उपत्यकासँ संसदमे प्रतिनिधित्व करहलछथि।क्लाउडी नेपालमे दु दशकबाद स्थानीय चुनाव होबऽ जाऽरहलासँ लोकतन्त्र मजबुत बनाब आ स्थायित्व देबऽ ओ सहयोग कर्वाक अपेक्षा कएनेछथि । ओ ओयसँ अगाडियो राजनीतिक असन्तुष्टिसभक समाधान खोज आ नेपाल सरकारके हिंसाके घटनासभके छानबिन कऽर आग्रह कएनेछथि । ओ शान्तिपूर्ण प्रदर्शन घोषणा कएने आन्दोलनकारी पक्षके हिंसामुक्त शैलीमे विश्वास कऽर सेहो आग्रह कएलीअछि । ‘बेलायत सरकारके सेहो नेपालके सुरक्षा अंगके देलजायबला कोनो भिऽ अनुदान आ सहयोग राशि देबसँ आगा ओकरसभक कार्य अन्तर्राष्ट्रिय मानव अधिकार मापदण्ड अनुकुल भेल नै भेल सम्बन्धी ध्यान देबऽ जोड देब,’हुनक प्रस्तावमे अछि ।एक महिनाआगा बेलायत गेल दीपेन्द्र झा लगायत अधिकारकर्मीसभ क्लाउडीलगायत सांसदके भेट्करति नेपालमे मधेस आन्दोलन चलिरहलबेर राज्य पक्षसँ अतिरिक्त बल प्रयोग भेलासँ मानव अधिकार हनन भेल विषय उठा देब आग्रह कएनेछलथि । ‘क्लाउडीके प्रस्ताव ब्रिटिस संसदमे दर्ता भेलासँ ऐतिहासिक महत्व रखतिअछि । अयसँ मधेसके एजेन्डा अन्तर्राष्ट्रियकरण कऽर सहयोग कएनेअछि,’ओ कहलनि ।

 

 

Share.

Leave A Reply