सप्तरीमे राजपाके कार्यकर्तासभ सरकारी मोटरसाइकल जरौलक

0

अषाढ ५ गते,संविधान संशोधन नै कऽ जबरजस्ती रुपमे स्थानीय तहके चुनाव कराबलागल कहति आन्दोलनमे उत्रल राजपाके कार्यकर्तासभ रबिदिन राजविराजमे सरकारी मोटरसाइकलमे आगिजनी कएलकअछि ।
मोटरसाइकलमे सबार व्यक्ति मोटरसाइकल गजेन्द्र चोकमे राखिक राष्ट्रिय बाणिज्य बैंकमे गेल बेरमे राजपाके कार्यकर्तासभ आगिजनी कएनेअछि ।आगिजनीसँ स.१ ज ५२९ नम्बरके मोटरसाइकल पूर्ण रुपमे जरिक नष्ट भेलअछि ।
अपन कार्यकर्ताके प्रहरी पूर्व पश्चिम राजमार्ग अन्तर्गत सप्तरीके शम्भुनाथसँ पक्राउ कएने बिरोधमे मोटरसाइकलमे आगिजनी कएने राजपा नेतासभ बतौलकअछि ।
राजमार्गमे सवारीसाधन संचालनमे अवरोध कऽर खोज्ने कहति प्रहरीे आधा दर्जन राजपाके नेता कार्यकर्तासभके पक्राउ कएनेअछि ।
पक्राउ परल दिनेश यादव, ननु भगत, जावुल मियाँ, माधुरी साहके प्रहरी इलाका प्रहरी कार्यालय रुपनीमे रख्नेअछि ।

Share.

Leave A Reply