सप्तरीके मलेठमे प्रहरीके गोली लाईग मृत्यु भेल पाँचुगोटेके सहिद घोषणा,परिवारके राहतस्वरुप १० लाख प्रदान,छानबिन कऽर उच्चस्तरीय आयोग गठन

0

जेठ ४ गते,नेकपा एमालेके मेची महाकाली अभियानक क्रममे सप्तरी जिल्लाके मलेठमे प्रहरीके गोली लागी मृत्यु भेल पाँचगोटेके नेपाल सरकार बुधदिन औपचारिक रुपमे सहिद घोषणा कएलकअछि ।
मन्त्रिपरिषद्के निर्णयअनुसार उपप्रधान एवं गृहमन्त्री विमलेन्द्र निधि बुधदिन सप्तरी सदरमुकाम राजविराजमे आयोजित कार्यक्रममे पाँचु गोटेके सहिद घोषणा कएने जानकारी करौलनि । एमालेके मेची महाकाली अभियानअन्तर्गत सप्तरीके मलेठस्थित गजेन्द्रनारायण सिंह औद्योगिक क्षेत्रमे कार्यक्रम भऽरहलबेर गत फागुन २३ गते ओय क्षेत्रके आसपासमे भेल प्रहरीसाथेके झडपमे प्रहरीके गोली लागि पाँच गोटेके मृत्यु भेलछल । प्रहरीके गोली लागि सप्तरी मलेठके सन्जन मेहता, पीताम्बर मण्डल आ वीरेन्द्र महतो, प्रसवनीके आनन्द साह आ जमुनी मधेपुराके इन्द्रदेव यादवके मृत्यु भेलछल । ओकरसभके सरकार बुधदिन औपचारिक रुपमे सहिद घोषणा कएनेअछि । सहिद परिवारके प्रति परिवार १० लाख रुपैयाँ राहतस्वरुपके रकम समेत गृहमन्त्री निधि बुधदिन राजविराजमे हस्तान्तरण कएलनिअछि ।
मन्त्री निधि मलेठ घटनाके छानबिन कऽर पुनरावेदन अदालतके पूर्वमुख्य न्यायधीश अली अकबर मिकरानीके संयोजकत्वमे तीन सदस्यीय उच्चस्तरीय आयोग गठन भेल आ ओ आयोग काज शुरुकएलाके एक महिनाभितर प्रतिवेदन बुझाबके जानकारी करौलनिअछि ।

Share.

Leave A Reply