सप्तरीके भारदहमे बोलेरो गाडीके ठक्करसँ एकके मृत्यु           

0

बैशाख—२८गते,हनुमाननगर कङ्कालिनी नगरपालिका–१ स्थित पूर्वपश्चिम राजमार्ग अन्तर्गत सप्तरीके भारदहमे बोलेरो गाडीके ठक्करसँ बुधदिन एक व्यक्तिके मृत्यु भेलअछि ।मृत्यु होबबलामे बेल्टार नगरपालिका–२ रहनियार ४५ वर्षीय वीरबहादुर मगर रहल इलाका प्रहरी कार्यालय, भारदह जनौलकअछि ।पूर्वसँ पश्चिम जायतकाल बा १६ च ३८११ नंके बोलेरो गाडीसँ बेल्टार नगरपालिका–२ सँ बरियाती लऽक जायतकाल ग १ ख २८८९ नंके विवाहक बस रोकिक सडक कातमे शौचमे गेल मगर घुर्वाक क्रममे बोलेरो गाडीसँ ठक्कर देनेछल ।ओय ठक्करसँ मगरके घटनास्थलेमे मृत्यु भेल प्रहरी जनौलकअछि । ठक्कर देबबला बोलेरो आ चालकके प्रहरी नियन्त्रणमे लेने जिप्रका, सप्तरी जनौलकअछि ।

Share.

Leave A Reply