सप्तरीके बाढी प्रभावित परिवारके १५ लाखरुपैयाँ सहुलियतपूर्ण ऋण देबऽ सरकारके निर्णय

0

अषाढ २६ गते,सरकार सप्तरीके बाढी प्रभावितके प्रति परिवार १५ लाख रुपैयाँ सहुलियतपूर्ण ऋण देवाक निर्णय कएनेअछि ।
सोमदिन बैसल मन्त्रीपरिषद बैसारसँ बाढी प्रभावितके प्रति परिवार १५ लाख रुपैयाँ सहुलियतपूर्ण ऋण आ २५ हजार रुपैयाँ राहत उपलब्ध कराबके निर्णय कएलकअछि ।
बाढी प्रभावित क्षेत्रके अवलोकनके क्रममे प्रधानमन्त्री शेरबहादुर देउवा घोषणा कएने अनुसार सहुलियत रकम देवाक निर्णय मन्त्रीपरिषद बैसारसँ कएनेअछि ।
अहिना मन्त्रीपरिषद प्रतिनिधिसभा सदस्य निर्वाचन सम्बन्धी व्यवस्थाकर बनल विधेयकके व्यवस्थापिका संसदमे पेश कर्वाक निर्णय कएलकअछि । मुद्दा,सरकार अय विधेयकसँगे गृह मन्त्रालयमे पहुँचल प्रदेश सभा निर्वाचन सम्बन्धि विधेयकके संसदमे पेश कर्वाक सम्बन्धमे किछ निर्णय कएने नै अछि ।
अहिना प्रधानमन्त्री देउवाके परराष्ट्र सल्लाहकारमे डा. दिनेश भट्टराईके नियुक्त कर्वाक निर्णय कएलकअछि । ओ अयसँ आगा सेहो प्रधानमन्त्रीके परराष्ट्र सल्लाहकारके रुपमे नियुक्त भेलछलथि ।

Share.

Leave A Reply