सन् २०२८ के ओलम्पिक अमेरिकाके एलएमे

0

श्रावण १७ गते,अमेरिकाके लस एन्जलस (एल ए) शहर सन् २०२८ के ओलम्पिक खेल आयोजना करके भेलअछि । अयसँ आगा सन् २०२४ के ओलम्पिक खेल आयोजनाके दाबी करति आएल लस एन्जलस ओयसँ पाछा हटलअछि । सन् २०२४ के संस्करण आयोजनाक लेल फ्रान्सके पेरिस आ अमेरिकाके लस एन्जलस दाबी करति आएलछल । दुनु शहर अपनेसभ ओलम्पिकके लेल तयारी सुरु कऽचुक्लासँ आयोजनाके जिम्मेवारी पाबऽ पर्वाक बतबति आएलछल ।
मुद्दा अखन आबिक लस एन्जलस सन् २०२४ के दाबी छोड्ति पेरिसके सहज बनौनेअछि । गत जुनमे अन्तर्राष्ट्रिय ओलम्पिक कमिटि (आइ ओ सी) पेरिस आ लस एन्जलस एककेबाद दोसर ओलम्पिक खेल आयोजना कर्वाक निर्णय कएनेछल । मुद्दा कोन वर्षके ओलम्पिक कत होएवाक स्पष्ट नै कएनेछल ।
लस एन्जलसके पछिल्लका कहबकेबाद आब सन् २०२४ के ओलम्पिक खेल पेरिसमे आ २०२८ के लस एन्जलसमे होबके भेलअछि ।

Share.

Leave A Reply