सत्तारुढ राप्रपाद्वारा आन्दोलनके घोषणा,निर्वाचन आयोगविरुद्ध सर्वोच्च अदालत जएवाक निर्णय

0

चैत–६ गते,पार्टी विधानसँ ‘संवैधानिक राजसंस्था आ हिन्दू राष्ट्र’ खारेज कएने निर्वाचन आयोगके निर्णयविरुद्ध सत्तारुढ राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टी संवैधानिक उपचार खोजऽलागलअछि ।पार्टी अध्यक्ष कमल थापाके अध्यक्षतामे शनिदिन बैसल आकस्मिक बैसारसँ संविधानप्रदत्त वैचारिक स्वतन्त्रता अनुसार पार्टीके विधानमे ओ विषय समावेश कएलासँ ओयके निर्वाचन आयोगे खारेज कर्वाक निर्णयके विरुद्ध सर्वोच्च अदालत जएवाक निर्णय कएने नेता राजाराम श्रेष्ठ जानकारी देलनिअछि । बैसार याह् चैत ७ गते देशभरिके जिल्ला निर्वाचन कार्यालयमे ज्ञापनपत्र बुझाबके तथा चैतके तेसर हप्तासँ हिन्दू राष्ट्र पुनःस्थापनाक लेल दबाब देऽब सडक सङ्घर्षके साथे धर्मनिरपेक्षता खारेजी आ हिन्दू राष्ट्र पुनःस्थापनाक लेल व्यवस्थापिका–संसदमे संविधान संशोधन प्रस्ताव दर्ता कर्वाक निर्णय कएनेअछि ।पार्टीके प्रस्तावनामे संविधानप्रति प्रतिबद्ध रही सर्वधर्म समभाव सहित हिन्दू राष्ट्र कायम कऽ संवैधानिक राजसंस्था लोकतन्त्रके मान्यता अभिवृद्धि कर्वाक उल्लेख कएनेअछि ।

Share.

Leave A Reply