संशोधन प्रस्ताव कोनो हालतमे नै मानब ओलीके हठ काएमे ,२ नम्बर प्रदेशसँ ५० प्रतिशत मत लएवाक दावी

0

आषाढ २४ गते,नेकपा एमालेके अध्यक्ष केपी शर्मा ओली सत्तापक्षसभ देशके विरुद्ध लओने संविधान संशोधनके प्रस्ताव एमालेके मान्य नै हेवाक बतौलनिअछि । संविधान संशोधनमे सहमति जुटाब प्रधानमन्त्री शेरबहादुर देउवा सक्रियता बढारहल बेर प्रतिपक्ष पार्टीके अध्यक्ष ओलीके एहन कहब बाहर आएलअछि ।
स्थानीय तहके चुनाव सम्पन्न नै होबधरि संविधान संशोधनके प्रस्ताव अगाडि नै बढाबके कवुल कएने स्मरण करति ओली कहलनि सत्ता पक्षसभ हमरासभसाथे प्रदेश २ के स्थानीय तह निर्वाचन सक्लाकऽबाद मात्र संशोधन प्रस्ताव लएवाक सहमति कऽक अयके तत्काले आगा बढाबके तयारी कएनेअछि, यी हमरसभक पार्टीके लेल मान्य नै ह्यात ।’
अपन गृहनगर झापाके दमकमे आयोजित विजय उत्सवमे सहभागी हाबऽ जएवाक क्रममे विराटनगर विमानस्थलमे ओली प्रतिपक्षसाथे सल्लाह समेत नै कऽ सत्तापक्षसभ जबरजस्ती संशोधन आगा बढौलक तँ ओयके प्रतिरोध कर्वाक चेतावनी देलनि ।
ओली संविधान संशोधन प्रस्ताव फिर्ता कऽक सुरुएसँ अय सम्बन्धमे छलफल करपर्वाक बतौलनि । ओली संविधान संशोधनके नयाँ प्रस्ताव सम्बन्धमे छलफल कऽर एमाले तयार रहल समेत प्रष्ट कएलनि ।
ओली दु नम्वर प्रदेशके चुनाव तेसर चरणमे कऽर मिति धुस्काबके काजमे सत्तापक्षसभ राष्ट्रिय जनता पार्टीके मोहरा मात्र बनौने आरोप लगौलनिअछि । ओे काग्रेस दु नम्वर प्रदेशमे चुनाव हारके डरसँ राजपाके आगा घुस्काक मोहरा बनौने दाबी कएलनि ।
ओ दु नम्वर प्रदेशमे होबबला स्थानीय तहके तेसर चरणके चुनावमे सेहो एमाले ५० प्रतिशत भोट लएवाक दावी कएलनि । ओ कहलनि, ‘दु नम्वर प्रदेशके जनता अखनो एमालेके पक्षमे अछि ।’

Share.

Leave A Reply