संविधान संशोधन विधेयक पारित होबऽ नै देबऽ एमालेके निर्णय,एमाले शुरु कएलक प्रदेश नम्बर २ के चुनावक तयारी

0

अषाढ २६ गते,नेकपा एमाले संविधान संशोधन विधेयक पारित होबऽ नै देबके अडान दोर्होयौलकअछि ।
सरकार संशोधन विधेयक आगा बढाबके तयारी कऽरहल बेर एमाले संशोधन प्रस्ताव राष्ट्रहित विपरित आ अनुचित भेल बतौलकअछि ।
एमाले स्थायी कमिटीके सोमदिन बैसल बैसारसँ स्थानीय चुनाव सम्पन्न भेलाकऽबाद संशोधन सम्बन्धी छलफल कर्वाक सहमति विपरित सत्ता गठवन्धनसभ संशोधन सम्बन्धमे चर्चा चलौने कहति असन्तुष्टि जनौलकअछि ।
एमाले सचिव प्रदिप ज्ञवाली कहलनि, ‘प्रस्तावित संशोधन प्रस्ताव राष्ट्रिय हित विपरित आ अनुचित रहल पार्टीके अडान दोर्होयबति ओ प्रस्ताव पारित होबऽ नै सक्वाक प्रष्ट कएलनि ।’
एमाले दोसर चरणके चुनावमे सेहो पहिल शक्तिके रुपमे स्थापित भेल कहति सन्तोष व्यक्त कएनेअछि ।
सत्ता गठबन्धनद्वारा भेल राज्यशक्तिके चरम दुरुपयोग, चौतर्फी घेराबन्दी कहति एमाले अनेकौं प्रतिकुलताक बाबजुद नेकपा (एमाले) पहिल शक्तिके रुपमे स्थापित भेलमे पार्टी सन्तोष व्यक्त कएनेअछि ।
साथे निर्वाचनमे प्राप्त सफलता आ कतेको ठामँमे भेल अनपेक्षित परिणामके समीक्षा करति १५ दिनभितर प्रतिवेदन पठाब जिल्ला कमिटीसभके निर्देशन देलगेलअछि ।
आगामी आश्विन २ गते प्रदेश नम्बर २ मे होबबला स्थानीय तह निर्वाचनके तयारीमे लाग सेहो एमाले कहनेअछि । साथे जिल्ला कमिटीके सुझावके आधारमे जिल्ला समन्वय समितिके प्रमुख आ उपप्रमुखके नाम १५ दिनभितर सिफारिस कऽर प्रदेश संगठन कमिटीके निर्देशन देलगेलअछि ।

Share.

Leave A Reply