संविधान संशोधन पारित नै भेल तँ आन्दोलन कर्वाक राजपाके चेतावनी

0

जेठ ४ गते,राष्ट्रिय जनता पार्टी नेपाल सरकारके सहमति अनुसार संविधान संशोधन सहित अपन माग पूरा कराब सरकारके दबाब देलकअछि ।
बुधदिन साँझ प्रधानमन्त्री पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ के भेटकऽ राजपाके नेतासभ अपन मागसभ सम्बोधन कऽक दोसर चरणके निर्वाचनक लेल वातावरण बनाब आग्रह कएनेअछि ।
सरकार आ राजपाबीच अयसँ अगे जेठ ४ गते बैसबला व्यवस्थापिका संसदके बैसारमे संशोधन प्रस्ताव पारित कराब आगा बढाबके सहमति भेलछल ।
बैसारकबाद सञ्चारकर्मीसभसँग बात करति राजपाके अध्यक्ष मण्डलके सदस्य राजेन्द्र महतो अपनेसभ प्रधानमन्त्रीसमक्ष पहिने भेल सहमतिअनुसार अपन मागसभ पूरा कराब आग्रह कएने जानकारी करौलनि ।
ओ मधेसक माग सम्बोधन नै कऽ चुनाव कऽर समस्या होबके सेहो बतौलनि ।
बैसारमे प्रधामन्त्री प्रचण्ड मोर्चाके सरकार संविधान संशोधनक लेल दलसभसाथे छलफल जारी रख्ने आ मोर्चाक मागसभ सम्बोधन कऽर सरकार प्रतिबद्ध रहल बात सुनौनेछलथि ।
बैसारमे प्रधामन्त्री प्रचण्ड पहिल चरणके चुनाव सम्पन्न भेलाकबाद आब सरकार दोसर चरणके निर्वाचन कर सरकार लागि परल बतबति अयसँ केउ गोटे कखनो पाछा घुर नै मिलके बतौनेछलथि ।

Share.

Leave A Reply