संविधान संशोधनमे सघाब राप्रपाके देउवा आ प्रचण्डके आग्रह

0

आषाढ २४ गते,सरकार संविधान संशोधनमे सघाब राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टीके आग्रह कएनेअछि ।
प्रधानमन्त्री शेरबहादुर देउवा आ सत्तारुढ माओवादी केन्द्रके अध्यक्ष प्रचण्ड राप्रपा अध्यक्ष कमल थापा आ राष्ट्रिय अध्यक्ष पशुपतिशम्शेर राणासाथे छलफल कएनेछथि । बैसारमे संविधान संशोधन आ राप्रपाके सरकारमे सहभागिता सम्बन्धमे छलफल भेलअछि ।
बैसारमे प्रधानमन्मन्त्री देउवा आ पूर्व प्रधानमन्त्री प्रचण्ड संविधान संशोधनमे सहयोग कऽर आग्रह कएनेअछि ।
‘राजपाके चुनावमे सहभागी कराब संविधान संशोधनमे सहयोग कऽदेब प्रधानमन्त्री देउवा आ प्रचण्ड आग्रह कएनेछथि’ राप्रपा अध्यक्ष थापा कहलनि, ‘अय सम्बन्धमे पार्टीमे छलफल कऽक हमसभ उपयुक्त निर्णय कऽक जानकारी करौनेछि ।’
सरकार शुक्रदिन मात्र राजपा नेतासभ साथे छलफल कऽक संशोधन आगा बढाबके बचन देनेछल ।
सरकारमे राप्रपाके सहभागिता सम्बन्धमे सामान्य बातचित भेलाकऽबादो कोनो सहमति होबऽ नै सकलअछि

Share.

Leave A Reply