संविधान संशोधनके नयाँ प्रस्ताव मोर्चा कएलक अस्वीकार, आन्दोलनक कार्यक्रम सार्वजनिक,

0

चैत्र–३१गते,संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेसी मोर्चासभ सरकार संसदमे दर्ता करौने संविधान संशोधनके नयाँ प्रस्ताव अस्वीकार कएलकअछि। तमलोपाके पार्टी कार्यालय बिजुलीबजारमे बैसल मोर्चाक बैसासँ संविधान संशोनके नयाँ प्रस्ताव अपनासभसाथे सरकार कएने ११ बुँदे आ २६ बुँदे माग सम्बोधन नै कएने कहति अस्वीकार कर्वाक निर्णय कएलकअछि  ।सरकार आ मोर्चाक घटकबीच अयसँ आगा भेल विभिन्न सम्झौता नयाँ संविधान संशोधनके प्रस्तावसँ सम्बोधन नै कएने आ अपनासभसँगे सल्लाहे नै कऽ सरकार जालझेल करके तरिकासँ आगा बढलासँ यी प्रस्ताव मान्य नै होएवाक संघीय समाजवादी फोरम नेपालक अध्यक्ष उपेन्द्र यादव बतौलनिअछि ।मोर्चासभ माग पूरा नै भेलासँ चुनाव बहिस्कार कर्वाक अडान कायमे रख्नेअछि । मोर्चासभ शान्तिपूर्ण आ अहिंसात्मक आन्दोलनके निरन्तरता देवाक निर्णय करति बृहस्पतिदिन मधेसक सब जिल्ला सदरमुकाममे जुलुस करके भेलअछि ।अहिना, वैशाख ३ गते जिल्लास्थित निर्वाचन कार्यालय घेराउ करके आ आन्दोलनक दोसर कार्यक्रमबादमे तय कर्वाक सद्भावना पार्टीके सहअध्यक्ष लक्षमणलाल कर्ण जानकारी करौलनिअछि ।सरकार मधेसी मोर्चा आ एमाले दुनुके मान्य होबके कहति संशोधनके पुरान विधेयक फिर्ता लऽक मंगलदिन नयाँ विधेयक दर्ता करौनेछल । मुद्दा मोर्चा आ एमाले दुनु अय प्रस्तावके सम्बन्धमे सरकार अपनासभ साथे कोनो छलफले नै कएने बतबति आएलअछि ।

Share.

Leave A Reply