संयुक्त लोकतान्त्रीक मधेसी मोर्चाद्वारा धनुषाके निर्वाचन कार्यालय घेराउ, थप आन्दोलनक कार्यक्रम घोषणा

0

बैशाख–४ गते,संयुक्त लोकतान्त्रीक मधेसी मोर्चा रबिदिन जनकपुरक निर्वाचन कार्यालय घेराउ कएनेअछि । मोर्चा सम्बिधान सन्सोधन नै कऽ बैशाख ३१ गते निर्वाचनक मिति तय कएलाक कारण मधेसीप्रतिके हेपहा प्रवृति बढल कहि चुनाव होब नै देबके उदेश्यसँ निर्वाचनक कार्यालय घेराउ करके साथे रबिदिन बैसारसँ थप आन्दोलनक कार्यक्रम घोषणा कएलकअछि ।मोर्चाके रबिदिन बैसल बैसारसँ बैशाख ५ गते मङ्गलदिन साँझ साढे ५ बजे जनकपुरक विद्यापति चौकसँ मशाल जुलुश प्रदर्शन करके,७ गते बृहस्पतिदिन  दुपहर १ बजे रामानन्द चौकसँ लाठी तथा सिटि जुलुस प्रदर्शन करके तहिना बैशाख ९ गते शनिदिन जनकपुरक तिरहुतिया गाछीमे विशाल विरोध सभा करके जनौलकअछि ।मेर्चा ओय कार्यक्रममे मोर्चासँ आवद्घ दलक नेता तथा कार्यकर्ता,उद्योगी, व्यवसायी, बुद्घिजीवी, किशान, मजदूर, यूवाविद्यार्थी, पत्रकार, विभिन्न संघ संस्था कर्मचारी, महिला लगायत सम्पूर्ण नगरवासी तथा जिल्लावासीसँ मोर्चाक संयोजक प्रमोद कुमार यादब अपिल कएलकअछि ।  तहिना, संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेसी मोर्चा आ संघीय गठबन्धनसभ निर्वाचनके विरोधमे आन्दोलनक कार्यक्रम सार्वजनिक कएलकअछि ।मधेसी मार्चा आ गठबन्धनसभ रबिदिन काठमाडौंमे पत्रकार सम्मेलन करति वैशाख २७ गतेसँ आमहड्ताल आ अनिश्चितकालीन नेपाल बन्द सहितके आन्दोलनक कार्यक्रम सार्वजनिक कएलकअछि । विभिन्न जिल्लाके सदरमुकामसभमे याह् वैशाख ५ गतेसँ मसाल जुलुस, लाठी जुलुस, सभा, मतदान केन्द्र लक्षित लाठी जुलुस, प्रदर्शन कर्वाक भेलअछि । २७ गतेसँ देशव्यापी अनिश्चितकालिन हड्ताल कर्वाक गठबन्धनके प्रवक्ता ओम गुरुङ रबिदिन जारी कएने विज्ञप्तिमे उल्लेख काएलगेलअछि ।सरकार वैशाख ३१ गतेके लेल स्थानीय तह निर्वाचन मिति तय कएनेअछि ।जनताके अधिकार प्राप्ति आ लोकतान्त्रिक मूल्य मान्यताके रक्षााक लेल आन्दोलन करपरल ओ दलसभ प्रस्ट कएलकअछि । सरकार गठनके बेरमे भेल तीनबुँदे सहमति अनुसार अपन माग सम्बोधन कऽर संविधान संशोधन नै कएने कहैत मोर्चा आ गठबन्धन चरणबद्ध आन्दोलनमे उत्रलअछि । सरकार सीमांकन बाहेकके मुद्दा अखने निर्णय लगाक बाँकी बादमे सम्बोधन करके बतौलाकबादो मधेसी मोर्चासहितके गठबन्धनसभ अस्वीकार कएनेअछि । सरकार मोर्चाके माग सम्बोधन करके कहैत पुरान संशोधन विधेयक फिर्ता लऽक संसदमे गत चैत २९ गते मंगलदिन संविधान संशोधनके नयाँ प्रस्ताव दर्ता कएनेअछि ।

Share.

Leave A Reply