श्री कन्टिर झा नमुना उच्च माध्यमिक विद्यालयमे आई नयाँ विद्यार्थी भर्ना अभियान काएलगेल

0

बैशाख २० गते,जनकपुर उपमहानगरपालिका वाड नम्बर १७ बभनगामास्थित श्री कन्टिर झा नमुना उच्च माध्यमिक विद्यालयमे बुधदिन नयाँ विद्यार्थी भर्ना अभियान काएलगेल अछि । विद्यालयके प्र.अ. श्रीचन साहके नेतृत्वमे निक शिक्षा दिअ परियोजना अन्तर्गत  शिक्षा पत्रकार समुह , आसमान नेपाल , प्याक नेपालक संयुक्त आयोजनामे आयोजित र्याली प्रदर्शन लोहनाके विभिन्न टोलासभमे काएलगेल छल ।गहना जेबर रुप श्रृङगार शिक्षा विना जीवन बेकार, हमरासभक इच्छा , अनिवार्य निःुशल्क आधारभुत शिक्षासहितक नारा लिखलगेल प्ले कार्ड सेहो विद्यार्थीसभ प्रदर्शन कैने छल ।र्याली प्रदर्शनमे विद्यालय व्यवस्थापन समितिके पदाधिकारी, आमा समुहक सदस्य , बाल क्लवक सदस्य , शिक्षक , शिक्षिका, विद्यार्थी अभिभावकसभके उपस्थितमे आयोजित र्याली प्रदर्शनमे निक शिक्षा दिय परियोजनाके कार्यक्रम अधिकृत अरविन्द यादव, सामाजिक परिचालक विकास यादव सहितक उपस्थिती रहल छल ।

Share.

Leave A Reply