श्रीराम सुगर मिल्समे लगाओलगेल ताला अखनो खुजनैसकल

0

श्रावण १८गते,रौतहटके गरुडास्थित श्रीराम सुगर मिल्समे लगौने ताला लम्बा समयधरिके बादो खुलैवाक प्रयास नै भेलअछि । भुक्तानिके माग करति कोसियार उत्पादक संघ डेढमहिना आगा मिलके मुलगेटमे लगौने ताला अखनधरि नै खोल्लाकऽबाद स्थानीय किसानसभ उब्जौने कोसियार दोसर ठामँ बेच लजायपर कहि किसानसभमे चिन्ता बढलअछि । तीन बर्षसँ करिब २५ करोड बक्यौता रकम भुक्तानिके माग करति कोसियार उत्पादक संघ गत असाढ ५ गते मिलमे ताला लगौनेछल ।
किसानसभ पाबबला रकम देबऽ मिल प्रशासन बेर बेर भाका रख्लाकबादो भुक्तानि नै कएलाकऽबाद तालाबन्दी कएने कोसियार उत्पादक संघके अध्यक्ष अशोक कुमार यादव बतौलनिअछि । उद्योगी दिवाकर गोल्छा, हृतेश गोल्छा आ ललित अग्रवाल मिल सञ्चालनमे अएलाकऽबाद मात्र किसानके रकम उपलब्ध कराबके बतबति आएल संघक अध्यक्ष यादवके कहबअछि ।
मिल्स प्रशासनसभ समयईएमे भुक्तानी नै देलासँ अपनसभक घर खर्च चलाब समेत समस्या होईत आएल कटहरिया ५ के किसान जयमंगल यादव बतौलनिअछि ।
कोसियार उत्पादक संघके साथे जिल्लाके सांसद,उधोगी गोल्छा, अग्रवाल सहीतक टोलीसभ तत्कालिन उधोगमन्त्री नविन्द्र राज जोशीके रोहवरमे किछ महिनाभितर किसानके रकम भुक्तानी करैवाक लिखित सहमती भेलछल । मुद्दा, ओ सहमती कागजेमे सिमित भेल संघक सल्लाहकार रामभरोसी यादव बतौलनिअछि।

Share.

Leave A Reply