शुल्क बृद्धि फिर्ताके माग करति विद्यार्थी अनसनमे

0

अषाढ ३१ गते,त्रिभुवन विश्वविद्यालय, इन्जिनियरिङ अध्ययन संस्थान कएने शुल्क बृद्धि फिर्ताक माग करति पर्वाञ्चल क्याम्पस, धरानक विद्यार्थी आमरण अनसनमे बैसलअछि ।
त्रिभुवन विश्वविद्यालय सिनेट इन्जिनियरिङ अध्ययन संस्थान अन्तर्गतके सम्पूर्ण क्याम्पससभके शुल्क अषाढ महिनासँ लागू होबऽजका बृद्धि कर्वाक निर्णय कएनेछल । शुल्क बृद्धिके निर्णय लगते विद्यार्थीसभ विरोधमे उत्रलअछि ।
शुल्क बृद्धि अवैज्ञानिक भेल कहति नेवि संघके सरोज अधिकारी आ अखिल क्रान्तिकारीके कृष्णराज न्यौपाने इन्जिनियरिङ अध्ययन संस्थान पूर्वाञ्चल क्याम्पस, धरानमे अषाढ २९ गतेसँ आमरण अनसनमे बैसलअछि ।
शुल्क बृद्धि फिर्ताक लेल अयसँ आगा प्रशासनमे तालाबन्दी कऽर लगायतके विरोध कार्यक्रम कएलाकऽबादो सुनुवाइ नै भेलाकऽबाद बाध्य भऽक आमरण अनसनमे बैस परल पूर्वाञ्चल क्याम्पस धरानके नेवि संघ पूर्वसभापति आकाश उप्रेती जानकारी करौलनिअछि ।

Share.

Leave A Reply