शहरी विकास तथा भवन निर्माण मन्त्री प्रभु शाहद्वारा जनकपुरधाममे ताल तलैयासभके शिलान्यास

0

श्रावण १६ गते,शहरी विकास तथा भवन निर्माण मन्त्री प्रभु शाह जनकपुरधामके धार्मिक तथा पर्यटकीय नगरीके रुपमे विकास कर्वाकलेल विभिन्न तालतलैयाके शिलान्यास तथा उद्घाटन कएलनिअछि ।
सोमदिन जनकपुरस्थित देवपुरा रुपैठामे रहल नोची ठाकुर पोखरीके संरक्षण घाट निर्माण तथा सुन्दरताक लेल नोची पोखरीके शिलान्यास कएलनिअछि । तहिना ओ महाराजसागर पोखरीके घाट निर्माण आ मणिमण्डप निर्माणक लेल समेत शिलान्यास कएलनिअछि । तहिना कऽ जनकपुरक जानकी चोकस्थित अंगराज सर सागर पोखरीके घाट निर्माणके उद्घाटन समेत कएलनिअछि ।
नोची ठाकुर पोखरीके संरक्षण घाट निर्माण तथा सुन्दरताक लेल तीन करोड ५५ लाख ४१ हजार ७७४ रुपैया ९५ पैसाके लागत रहलअछि तँ ओयके निर्माणक लेल ठेक्का हेम÷सावित्री जेभी जनकपुर–९ के देलगेल डिभिजन कार्यालय धनुषाके कार्यालय प्रमुख गंगाप्रसाद यादव बतौलनिअछि ।
तहिना महाराजसागर पोखरीके संरक्षण घाट एवं पार्क निर्माण, सौन्दर्यकरण तथा पोखरीके चौतर्र्फी बाट निर्माणक लेल रु तीन करोड ६५ लाख विनियोजन कएने कार्यालय प्रमुख यादव बतौलनिअछि ।
तहिना कऽमणिमण्डपके सौन्दर्यकरण संरक्षणके रु ८० करोडके गुरुयोजना रहल बतबति शहरी विकास तथा भवन निर्माण मन्त्री प्रभु शाह मणिमण्डप दरबार, धर्मशाला, सांस्कृति लगायत विभिन्न गुरुयोजना रहल आ ओयके लेल रु ८० करोड छुट्यौने जानकारी करौलनिअछि ।
ओ तत्काल मणिमण्डपके संरक्षण कऽर तारबारसँ घेरा लगाबकऽलेल रु दुई करोड विनियोजन कएने बतौलनि ।
जनकपुरस्थित अंगराजसर सागर पोखरीके उद्घाटन कऽर पहुँचल शहरी विकास तथा भवन निर्माण मन्त्री प्रभु शाहके परिवर्तनक लेल युवा अभियानके संयोजक सुशील कर्ण ज्ञापन पत्र बुझौनेअछि ।
ज्ञपानपत्र बुझैत मन्त्री शाह जनकपुरधामके विकासक लेल जनकपुरवासी इमान्दारीपूर्वक एकजुट होबऽ आवश्यक रहल बतौलनि ।
मन्त्री शाह पौराणिक कालसँ बौद्धिकत्व प्राप्त कएने यी सुन्दर नगरी जनकपुरधामके पर्यटकीय नगरीक लेल धार्मिक दृष्टिसँ सेहो भरिभराउ रहल आ जनकपुरधामके सुन्दरताक लेल सरकार गम्भीर रहल बतौलनि ।
ओय ज्ञापनपत्रमे जानकी मन्दिर आसपास दु चक्का सवारीसाधन बाहेक सम्पूर्ण सवारीसाधनके अय क्षेत्रमे आवागमनके लेल निषेध आ अंगराज सरसागर, तेलहा आ मडहा तलाउके संरक्षण संवद्र्धन आ विकासक लेल तथा धार्मिक पर्यटकीय नगरीके रुपमे विकास करपर्वाक आ जानकी मन्दिर आसपास रहल मन्दिरलँग बडका बडका भवनसमेत तोड्के माग कएलकअछि ।
ओ ज्ञापनपत्र पढ्ैत अभियन्ता सुशील कर्ण अंगराज सरसागर, तेलहा आ मडहा पोखरीके एक दोसर साथे जोड् पर्वाक आवश्यकता रहल बतौलनिअछि । अयके लेल आकर्षक पुलके निर्माण करपरत तँ जानकी मन्दिरके तत्काल ट्रस्टमे लऽजेनाई अति आवश्यक रहल ज्ञापनपत्रमे उल्लेख कएलगेलअछि ।

Share.

Leave A Reply