विस्फोटकसहित बर्दिवाससँ विप्लव माओवादीके ३ गोटे कार्यकर्ता भेल पक्राउ

0

बैशाख २५गते,प्रहरी विस्फोटक आ दस्तावेज सहित नेकपा माओवादी विप्लव समूहके ३ गोटे कार्यकर्ताके पक्राउ कएलकअछि ।पक्राउ परबलासभमे धनुषा नपा–५ के ५५ वर्षीय जनकपुर व्युरो सदस्य मोहमद आदन राईन , धनुषाधाम नपा–८ के ३६ वर्षक कार्यालय सदस्य तिलक कहबला प्रान कुमार लामा तथा व्याह नपा–३ के ५१ वर्षिया मिथिला चौहान रहल जिल्ला प्रहरी जनौलकअछि ।ओकरासभके प्रहरी रबिदिन भिन्सर ७ बजेदिस पक्राउ करितो साँझ साढे ४ बजेमात्र जिल्ला प्रहरीमे पत्रकार सम्मेलन कऽ सार्वजनिक कएनेअछि । ओकरासभके बर्दिवासस्थित इलाका प्रहरीके डिएसपी शालिग्राम शर्माके कमाण्डमे गेल टोलीसभ बर्दिवास नपा–३, गौरीडाँडा स्थित ज्ञानप्रसाद पौडेलके घरमे छापा मारी नियन्त्रणमे लेनेअछि । ओ सभ पौडेलके घरके बाहालमे लऽक किछ समयसँ पार्टी गतिविधि संचालन करति आएल प्रहरी जनौलकअछि ।छापामारीके क्रममे ‘स्थानीय निर्वाचन खारेजी कर’ लिखल २ सय थान पर्चा आ पोष्टर, टाईम बम बनाबकलेल तार सेट कएलगेल २ टा दिवाल घडी, ६ टा डेटोनेटर, घडी, टेस्टर, २ बोतल तेजाव, ३ सय ग्राम बारुद बनाबबला धुल सेहो बरामद भेलअछि ।प्रहरी नियन्त्रणमे लेने अन्य बिस्फोटकमे सोल्डिङ तार, आइरन आ पेस्टसभ, कुकर बम वनाबबला सामग्री, २ किलो गन्धक, आल्मुनियम फसफेट, बम विस्फोट करैवाक योजनासहितके पेन्सिल स्केच कएने नक्सा सेहो रहलअछि । अहिना २ टा ल्यापटप , ६ सेट मोवाईल, कांग्रेसके गाछ छाप भेल टिसर्ट, पार्टी नविकरणके फाईल लगाएतके सामग्री बरामद भेलअछि । बरामद सब सामान प्रहरी पत्रकार सम्मेलनमे सार्वजनिक कएनेअछि  ।प्रहरी उपरीक्षक राजकुमार लम्साल आसन्न निर्वाचनके भाँड्वाक नियतसँ गौरिवासमे सेल्टर स्थापना कऽ गतिविधि संचालन करति आएल बुझलगेल जनौलनि । १७ टा कर्यालयके लक्षित कऽ बिस्फोट कराब जऽका ओ सभ गतिविधि संचालन कऽरहल बरामद नक्साके आधारमे प्रहरी अर्थ लगौनेअछि । साथमे गाछ छाप अंकित टिसर्ट सेहो बरामद भेलअछि । अयके सेहो प्रहरी अर्थपूर्ण रुपमे लेनेअछि ।गाछ छापके टिसर्ट लगौलाकऽबाद  कांग्रेस कार्यकर्ता भेल भान पारिक कार्यालय वा कार्यक्रममे सहज प्रवेश करके आ अवान्क्षित गतिविधि कऽ सुरक्षित घुर्वाक रणनीति अन्तर्गत गाछ छाप भेल टिसर्ट रख्ने होबसकैतअछि,’ एसपी लम्साल संचारकर्मी समक्ष बतौलनि ।तहिना छापामारिके क्रममा अल्मुनियम फोस्फेट समेत वरामद भेलअछि । एहन कडा विषादी ओकरासभके किया राखपरल अध्ययन भऽरहल सेहो लम्साल बतौलनिअछि ।

 

 

 

 

 

 

 

Share.

Leave A Reply